• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सरकार केलक देशरत्न क घोर उपेक्षा

June 10, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नयी दिल्ली : की भारत सरकार कोनो खास नीतिक तहत पहिल राष्ट्रपति आ देशरत्न डॉ राजेंद्र प्रसाद क उपेक्षा क रहल अछि। इ सवाल एकटा आंकड़ा देखलाक बाद सब क रहल अछि। नेहरू-गांधी परिवार सरकार लेल चहेतगर सब दिन रहल, मुदा आश्चर्यजनक रूप स ओहि शीर्ष दस महानतम नेता में देशरत्न डॉ राजेंद्र प्रसाद क स्थान नहि अछि जेकरा स्मरण करबा लेल सरकार सब साल टका खर्च करैत अछि। इ तथ्य समाचार पत्र क विज्ञापन कहैत अछि किया त सरकार महानतम नेता क विज्ञापन पर एकटा पैघ राशि खर्च क देलक अछि। बीतल पांच साल मे, महानतम नेता क जन्मदिन आ पुण्यतिथि स संबंधित जेतबा विज्ञापन समाचार पत्र सब मे सरकार छपेलक अछि ओहि मे स एक तिहाई स बेसी खर्च केवल राजीव गांधी, इंदिरा गांधी आ जवाहरलाल नेहरू क विज्ञापन पर भेल अछि। एहि प्रकार स कुल विज्ञापन पर 142.3 करोड़ क खर्च आयल अछि आ एहि मे स 53.2 करोड़ क खर्च असगर एहि तीनटा महानतम नेता पर क देल गेल अछि। डायरेक्टरेट आॅफ एडवर्टाइजमेंट एंड विजुअल पब्लिसिटी (डीएवीपी) क अनुसार 2008-09 स 2012-13 क  बीच सरकार 15टा पूर्व नेता क जन्मतिथि आ पुण्यतिथि पर विज्ञापन छपेलक अछि। एहि मे, महात्मा गांधी क जन्मतिथि आ पुण्यतिथि पर 38.3 करोड़ (विज्ञापन लेल महात्मा गांधी क अकाउंट मे सबस बेसी राशि आवंटित होइत अछि)। महात्मा गांधी क बाद एहि सूची मे राजीव गांधी, बीआर आम्बेडकर, इंदिरा गांधी आ जवाहरलाल नेहरू छथि। बीआर आम्बेडकर असगर एहन गैर-नेहरू-गांधी परिवार स महानतम नेता छथि जिनका पर सरकार 10 करोड़ स बेसी धनराशि आवंटित करैत अछि। लिस्ट मे शीर्ष पांच नेता क नाम पर 100 करोड़ स बेसी राशि आवंटित होइत अछि जे कुल खर्च क दू-तिहाई स कनि बेसी अछि। एहि नेता सबहक अलावा सरकार सरदार पटेल क जन्मतिथि आ पुण्यतिथि पर 8.6 करोड़ खर्च केलक जखन कि बाबू जगजीवन राम कए स्मरण करबा मे 6.2 करोड़ खर्च भेल। पूर्व प्रधानमंत्री लाल बहादुर शास्त्री क विज्ञापन पर 3 करोड़ जखन कि मौलाना आजाद आ एस राधाकृष्णन पर 2 करोड़ आ 1.2 करोड़ क राशि खर्च कैल गेल। आम्बेडकर कए छोड़ि दी त इ साफ भ जाइत अछि सरकार गैर-कांग्रेसी नेता कए स्मरण करबा मे कम उदार अछि। कांग्रेसी नेता स अलग सूची मे नेताजी सुभाष चंद्र बोस, भगत सिंह, राज गुरु आ सुखदेव सेहो छथि। सूची मे केवल एकटा गैर-राजनीतिक शख्सियत स्वामी विवेकानंद छथि। संभवत: हुनकर 150म वर्ष क कारण नाम आयल अछि। भगत सिंह, राज गुरु आ सुखदेव क शहादत कए स्मरण करबा मे 9.7 करोड़ क राशि खर्च भेल अछि जखन कि नेताजी सुभाष चंद्र बोस आ स्वामी विवेकानंद पर 50 लाख आ 90 लाख खर्च कैल गेल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

जून 2014 स भेटत नवीनगर स बिजली

Esamaad Epaper Website

केंद्र करत देरी त बिहार अपन टका स बनाउत दीघा रेल पुल

Esamaad Epaper Website

अगिला मास चालू होएत कांटी, प्रमंडल मुख्याल कए भेटत 24 घंटा बिजली

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि