• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

‘सर, एडवांसे मे दिया दियउ ने…’

January 25, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। बिहार विधान परिषद क उपभवन मे आयोजित ‘किशोरी संसद’ मे धीया सब संसदीय व्यवस्था मे विधायी कार्य स रूबरू भेलथि। बिहार विधान परिषद क सभापति ताराकांत झा ‘किशोरी संसद’ क अध्यक्षता करैत कहला जे बिहार क तमाम धीया समाज आ राज्य क नहि, बल्कि देश क भविष्य छथि। ओ कहला जे धीया क क सपना कए साकार करबा मे माता-पिता कए सेहो आगू एबाक चाही, किया कि संस्कार क पहिल पाठशाला परिवार अछि।
एकर बाद ‘किशोरी संसद’ क कार्यवाही धीया क मांगपत्र प्रस्तुति स भेल। अरवल क अनन्या सृष्टि सभापति क सामने लिंग जांच कए महिला हिंसा क श्रेणी मे रखबाक मांग उठेलथि आ डाक्टर कए दंडित करबा संबंधी कानून कए सख्ती स लागू करबाक मांग केलथि। विधानमंडल कार्यवाही जेकां इ पूरा दृश्य देखबा मे लगैत छल। एहि दौरान ‘शेरो-शायरी’, ‘टोका-टोकी’ आ ‘हंसी-ठिठोली’ सेहो खूब भेल। नवादा क श्वेता गौड़ स्कूल मे शुद्ध पेयजल आपूर्ति आ 12म कक्षा तक नि:शुल्क शिक्षा क व्यवस्था करबा क मांग रखलथि। तखने सभापति टोकलाह-‘तोरा विधानसभा क टिकट जरूर देल जेतहु…।’ एहि पर ‘सदन’ मे खूब ठहाका लागल। धीया सेहो पाछु कहां रहैवाली। एकसंग आवाज आयल-‘सर, एडवांसे मे दिया दियउ ने…।’ ठहाका चलैत रहल। किछु धीया बाल अधिकार स जुडल मुद्दा सेहो उठेलथि, मुदा सदन मे सबसे बेसी जे मांग उठल ओ शिक्षा स संबंधित छल। कईटा धीया राज्‍य मे अंग्रेजी विषय आ कंप्यूटर शिक्षा कए अनिवार्य करबाक मांग उठेलथि। एहि पर शिक्षा मंत्री पीके शाही कहला जे अंग्रेजी कए अनिवार्य बनाउल जाए या नहि? एहि पर वाद-विवाद होइत रहल अछि। किछु बच्‍चा एहि ठाम अंग्रेजी आ कंप्यूटर शिक्षा कए अनिवार्य करबाक मांग उठेलथि अछि। मुदा ग्रामीण परिवेश क बच्‍चा कए अंग्रेजी कए अनिवार्य करबा पर परेशानी होएत। जखन स्थिति ठीक भ जाएत तखन राज्य सरकार नीति मे परिवर्तन करत।
सदन मे समाज कल्याण मंत्री परवीन अमानुल्लाह कहलथि जे धीया अपन मुखर आवाज स एहि ठाम साबित क देलथि अछि जे बिहार नारी सशक्तीकरण क दिशा मे सही आ तेजी स आगू बढि रहल अछि। बेटी अहां इ जोश आ जुनून बनेने राखू।

Tags: Biharpatnapatna. bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार संग्रहालयक डिजायन तैयार, नवंबर मे होएत शिलान्‍यास

Esamaad Epaper Website

नवीनगर सुपर थर्मल पावर परियोजना क शिलान्यास

गोल मार्केट क वास्‍तविक स्‍वरूप आनब : कीर्ति

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि