• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सागर क सवाल क उत्‍तर के देत

February 21, 2013
in विचार, समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

ज्‍योति
मधुबनी ।
पंडौल स्थित राम नरायण महाविद्यालय मे आयोजित शिक्षा क गुणवत्‍ता पर आयोजित सेमिनार मे जे किछु देखबा आ सुनबा लेल भेटल ओ गंभीर आ विचाररनीय अछि। आम सेमिनार जेकां मिथिला विश्‍वविद्यालयक कुलपति आ आला अधिकारी महज हाजरि बनेबा लेल पहुंचल छलाह। प्रक्षेत्र क कॉलेज सबहक प्राचार्य महज हुनकर भाषाण पर थोपरी बजेबा लेल पहुंचल छलाह । मुदा सागर सब पर पाइन फेर देलक । सेमिनार हॉल मे कुलपति स ल कए प्राचार्य तक सब चुपचाप मुंह लटकेने बैसल रहलाह। किनको लग सागर स नजरि मिलेबाक ताकत नहि छल। किछु मास पूर्व दिल्‍ली मे सर्वश्रेष्‍ठ व्‍यवस्‍थापक क पुरस्‍कार लेनिहार कुलपति असल मे विश्‍वविद्यालय मे केहन व्‍यवस्‍था चलेने छथि से सेमिनार मे खुलि कए सामने आबि गेल।
खचाखच भरल हॉल मे शांतिक बीच महज एकटा आवाज पोडियम पर स आबि रहल छल। दुबर पातर युवा सागर शर्मा धाराप्रवाह अंग्रेजी मे विश्‍वविद्यालयक चरित्र कए उजागर क रहल छल। स्‍नातक प्रथम खंड क इ छात्र शिक्षक आ पदाधिकारी क बखिया उधेड रहल छल आ सब चुपचाप मुंह लटका ओकरा सुनि रहल छल । ककरो लग ओकर सवाल क कोनो उत्‍तर नहि छल । सागर क भाषण एतबा तार्किक छल जे सेमिनार हाल स बाहर सेहो ओकरा सुनबा लेल भीड जमा भ गेल छल । आत्‍मविश्‍वास स भडल सागर काफी सभ्‍य अंदाज मे अपन विचार कए रखैत कहला जे विश्विविद्यालय मे अव्‍यवस्‍था किया अछि, केकर कारण आ एकर निराकरण क जिम्‍मेदारी केकर छी। सागर क एतबा कहला स विवि मे गुणवक्‍त्‍ता पूर्ण शिक्षा क दावा आ छाती ठोकि कए कैल गेल कुलपतिक वाहवाही क हवा मे उडि गेल। दरअसल सागर अपन संबोधन मे कॉलेज क वर्तमान हालात कए एहन चित्रण केलथि जे कुलपति स ल कए प्राचार्य तक मुंह नुकेबा लेल बाध्‍य छलाह। सागर साफ शब्‍द मे पूछलाह जे आखिर की गप अछि जे पिछला किछु साल मे छात्र क उपस्थिति लगातार कम भेल जा रहल अछि आ एहि मे सुधार क उम्‍मीद निकट भविष्‍य मे नहि देखा रहल अछि। सागर कहला जे एकरा लेल नीजि कोचिंग कए जिम्‍मेदार ठहरा अहां सब बचबाक प्रयास नहि क सकैत छी, किया त सबस बेसी नीजि कोचिंग दिल्‍ली मे अछि आ एकर कोनो प्रभाव कॉलेज या विश्‍वविद्यालय मे छात्रक उपस्थिति पर नहि देखबा मे भेटैत अछि । सागर एतबा पर नहि रुकलाह ओ कहला जे अहां सब आब इ नहि कहू जे दिल्‍ली क व्‍यवस्‍था अलग अछि। किया त एहन कहबा स पूर्व अहां कए हमरा इ सेहो बुझेबाक अछि जे आखिर कोन एहन नियम अछि जे एहि ठाम लागू नहि अछि। अहां सेहो 75 फीसदी उपस्थिति अनिवार्य केने छी, मुदा इ नियम एहि ठामक छात्र कए परिसर एबा लेल बाध्‍य नहि करैत अछि। एहन मे केहन गुणवक्‍त्‍ता आ केहन व्‍यवस्‍था लेल वाहवाही कैल जा रहल अछि।
सागर क संबोधन एतबा कटू सत्‍य छल जे सर्दी क बावजूद कई गोटा क माथ पर पसीना आबि गेल। सागर कहला जे गुणवक्‍त्‍ता पूर्ण शिक्षा लेल शिक्षक कए सेहो अध्‍ययन मे निरंतरता रखबाक जरुरत अछि, मुदा केतबा शिक्षक बदैत हालात मे अपन मूल्‍यांकन करैत छथि । ओ कहला जे दुनिया रोज बदलि रहल अछि। नव नव शोध भ रहल अछि, नव किताब आबि रहल अछि, मुदा एहि ठामक शिक्षक कहियो अपन पढेबाक शैली या विचार मे बदलाव पर सोचलाह अछि। ओ कहला जे शिक्षकक योग्‍यता या कुशलता पर हुनका कोनो संदेह नहि अछि, मुदा एक प्रकारक शिथिलता पर जरूर विचार कैल जेबाक चाही। इ सच अछि जे एहि ठाम क शिक्षकक बौद्धिक स्‍तर काफी ऊंच अछि, मुदा समयक ओ अपडेट नहि भ पाबि रहल छथि । पहिने सन आब शिक्षक मे पढेबाक प्रति दायित्‍वबोध नहि अछि। हुनकर इच्‍छाशक्ति कमजोर भ चुकल अछि। ओ महज नौकरी क खानापूर्ति करैत छथि। जाहि कारण स पहिने जेकां शिक्षक आ छात्रक बीच संवाद नहि भ पाबि रहल अछि। शिक्षक आ छात्रक बीच दूरी लगातार बढि रहल अछि।
सागर कहला जे संसाधन स कोनो कॉलेज महान नहि होइत अछि। कोनो कॉलेज महान तखन होइत अछि जखन ओहि मे शिक्षक आ छात्रक बीच स्‍नेहपूर्ण संबंध होइत अछि। आइ इ संबंध स्‍कूल क बाद कॉलेज आ विवि मे हेरा चुकल अछि। सागर उपस्थित पदाधिकारी सब स सवाल पर सवाल करैत गेलाह आ सब चुपचाप सुनैत रहलाह। सागर क हर सवाल सभागार मे बैसल लोक कए झकझोरि रहल छल। सागर कहला ले कॉलेज मे अनुशासन क अभाव केकरा कारण स भेल। एहि ठाम बहुत प्राचार्य बैसल छथि, सबहक कॉलेज मे अनुशासन समिति अछि। कियो हमरा बताबी जे अहांक कॉलेज मे एहि समिति क आखरी बैसार कहिया भेल आ कोन प्रकारक निर्णय लेल गेल। कईटा कॉलेज मे छात्र अभिप्रेरण केंद्र होएत, ओकर बारे मे कियो जानकारी द सकैत छी। सागर अपन संबोधन मे जे सवाल उठेलथि अछि ओ नव नहि अछि मुदा जाहि प्रकार स जाहि मंच स उठेलथि अछि ओ निश्चित रूप स नव अछि। महज कानून बना देला स आ दोसर पर आरोप लगा देला स कॉलेज आ विश्‍वविद्यालय क हालात नहि सुधरत। इ सेहो सच अछि जे कुलपति कए नीक प्रबंधन लेल पुरस्‍कार भेटैत रहत, मुदा कुप्रबंधन क मौजूदा चित्रण स अहां अपन आंखि नहि हटा सकैत छी। लगैत अछि ताहि लेल कुलपति प्राचार्य सब स सागर क सवाल पर एकटा रिपोर्ट तैयार करबा लेल कहलथि अछि। देखबाक चाही जे मिथिला विश्‍वविद्यालय प्रशासन अपना मे केतबा बदलाव अनैत अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

कमर्शियल वाहन चलेनिहारि महिला कए रोड-टैक्स माफ

Esamaad Epaper Website

किछु नव कर स लदल 92,087.93 करोड़ क बजट पेश

Esamaad Epaper Website

एहन भेदभाव केवल बिहार संग संभव अछि : नीतीश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि