नई दिल्ली। दिल्ली मे 24 स 30 दिसंबर, 2012 तक सात दिवसीय मलंगिया नाटय महोत्सव क आयोजन होएत। मैथिली रंगमंच मे एहि प्रकारक इ पहिल आयोजन थिक जे कि कोनो एकटा नाटककार महेंद्र मलंगिया क चर्चित सात टा नाटक देखबाक अवसर देत। एहि महोत्सवक आयोजन मैथिली लोक रंग (मैलोरंग) संस्था क रहल अछि। संस्थाक निदेशक प्रकाश झा क अनुसार नई दिल्ली क मंडी हाउस स्थित श्रीराम सेंटर मे प्रतिदिन सांझ 6.30 बजे स नाटक क आयोजन होएत। ओ कहला जे मलंगिया नाटय महोत्सव मे भारत आ नेपालक कुल सात टा नाटय संस्था भाग ल रहल अछि। इ सब संस्था नाटककार महेंद्र मलंगिया लिखित विभिन्न नाटकक मंचन करत। एहि महोत्सव मे पटनाक भंगिम, मधुबनीक लोकहित रंगपीठ, सहरसाक पंचकोसी, दिल्लीक मिथिलांगन, जनकपुर (नेपाल)क मिनाप, कोलकाताक मिथिला विकास परिषद आ दिल्ली क मैलोरंग रिपोर्टरी सेहो अपन प्रस्तुति देत। एहि महोत्सव लेल नाटककार महेंद्र मलंगिया क चर्चित सात टा नाटक क्रमश: काठक लोक, ओकरा आंगनक बरहमासा, गाम नै सुतैए, छुतहा घैल, पूस जाड की माघ जाड, जुआयल कनकनी आ ओरिजनल काम चयनित कैल गेल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper
ki process chaye yo dekhbak lel.
नऽव पर नीक परम्परा ।
भविष्य मे आनहु नाटककार लोकनि पर आधारित एहि तरहक आयोजन मैथिलीप्रेमी लोकनिकेँ देखब लए भेटत से आशा ।
EE naatak dekhbak lel registration karbaba partai ya kono aur vyavastha chhai… kripya suchit kari…. Dhanyabad!!!!!