पटना। इंदिरा गांधी हृदय रोग संस्थान (आईजीआईसी) नव रंग रूप मे तैयार भ रहल अछि। पुरान भवन क स्थान पर सात मंजिला (ग्राउंड फ्लोर सहित) नव भवन बनत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा भूमि पूजन करबाकसंगहि निर्माण शुरू भ जायत। वर्ष क अंत तक नव भवन तैयार भ जेबाक उम्मीद अछि। ग्राउंड फ्लोर मे इमरजेंसी, आईसीयू, दोसरे फ्लोर मे ओटी आ कैथ लैब क व्यवस्था रहत। नव भवन क निर्माण क बाद संस्थान मे बेड क क्षमता करीब चौदह सौ भ जाएत। राज्य सरकार चालीस करोड़ क लागत स बनएवाला एहि भवन क लेल पहिल किस्त चार करोड़ निर्गत करि देलक अछि। ज्ञात हुए जे एखन बिहार मे आईजीआईसी एकमात्र अस्पताल अछि, जाहि ठाम सिर्फ हृदय रोग स संबंधित बीमारीक इलाज होइत अछि। संस्थान क निदेशक डॉ एसएन मिश्रा कहला जे पुरान भवन कए तोडि़कए मलवा हटा लेल गेल अछि।