पटना । बीमारू राज्य क कतार स बाहर आबि विकासशील राज्ययक अगुआ बनल बिहार अपन खाता मे एकटा आर उपलब्धि जोडि लेलक अछि। देश मे सबस तेजी स विकास क रहल बिहार क प्रति व्यकक्ति आय सेहो 2004 क मुकाबला मे दो गुना भ गेल अछि। राज्य मे प्रति व्यक्ति आय मे भेल दोगुना वृद्धि स बिहार क प्रभावी विकास दर क संकेत भेट रहल अछि। इ अलग गप अछि जे वर्ष 2004 स प्रति व्यक्ति आय जरूर दोगुना भ गेल अछि, मुदा एकर बावजूद इ राष्ट्रीय औसत स बहुत कम अछि ।
एहि संबंध मे योजना आ विकास मंत्री नरेंद्र नारायण यादव कहला अछि जे 2011-12 क दौरान बिहार मे प्रति व्यक्ति आय 15,268 टका रहल, जखनकि राष्ट्रीय औसत 35,993 टका अछि। एकर बावजूद इ राज्य मे पैघ बदलाव कहल जा सकैत अछि, किया त वर्ष 2004-5 क दौरान प्रति व्यक्ति आय मात्र 7,914 टका छल।
बिहार सांख्यिकी पुस्तिका 2012 आ आंकडा मे बिहार 2011 मे प्रति व्यक्ति आय क आंकड़ा प्रकाशित कैल गेल अछि। दूनू किताब मे राज्य क सामाजिक आर्थिक विकास क विभिन्न पहलु क सांख्यिकी आंकड़ा देल गेल अछि।
यादव कहला जे 11म पंचवर्षीय योजना क दौरान राज्य 21.9 प्रतिशत विकास दर हासिल केलक आ आय मे वृद्धि राज्य लेल स्वस्थ संकेत अछि।
किछु दिन पहिने उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहने छलाह जे 12म (2012-17) पंचवर्षीय योजना क दौरान राज्य सरकार 13 प्रतिशत आर्थिक विकास दर हासिल करबाक लक्ष्य निर्धारित केने अछि। विभिन्न राज्य2 क आर्थिक प्रदर्शन पर योजना अयोग क हालिया रिपोर्ट मे कहल गेल अछि जे बिहार स आकार मे अत्यंत छोट केवल सिक्किम आ गोवा 2011-12 क दौरान आर्थिक मोर्चा पर बेहतर प्रदर्शन क सकल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर