• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सामने आयल ममताक असली चेहरा, अपनेलथि लालू वाला एकाउंटिंग प्रणाली

February 25, 2010
in देश-दुनिया
A A

दोसरसमाचार

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

दुबई घुमबाक क’ रहल छी प्लानिंग त’ अवश्य ल’ लिय इ इंश्योरेंस, नहि त’ बढ़त मोश्किल

September 3, 2020
Esamaad Epaper Website

नेपालक ओली सरकार लिपुलेखमे बटालियन तैनात कयलक, एहि यूनिटके भारतीय सेनाक गतिविधि पर नजरि रखबाक आदेश

September 2, 2020
दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

September 1, 2020
Indo China war, War in Border, Pangok Lake war

भारत-चीनक बीच फेर झगड़ा: पैंगोंग लेक लग चीनी सैनिक घुसपैठक प्रयास कयलक, सेना देलक मुंहतोड़ जवाब

August 31, 2020


ममता क एहि कदम स रेलवे क माली हालत एक बेर फेर बिगड़बाक जबरदस्त खतरा अछि
यदि आरक्षित राशि डीआरएफ मे देल जाएत त ममता लाभांश देबाक स्थिति मे सेहो नहि रहती
ऑपरेटिंग रेशियो बढि़कए 94.7 प्रतिशत भ गेल

नई दिल्ली। रेलवे बजट 2010-11 मे रेलवे क ओहि एकाउंटिंग प्रणाली क प्रयोग कैल गेल अछि, जेकरा लेल ममता श्वेतपत्र मे पूर्व रेलमंत्री लालू प्रसाद क आलोचना केने छलीह। एकर अलावा एहि रेल बजट मे तमाम गप कए नुका लेल गेल अछि। उदाहरण क लेल सरप्लस कए बहुत कम देखाउल गेल अछि आ ओकर धन लोकलुभावन परियोजना दिस मोडि़ देल गेल अछि। रेलवे क बहीखाता कए खंगालबा पर ओकरा लग 951 करोड़ सरप्लस राशि बचि रहल अछि। एकर बावजूद वित्त वर्ष 2010-11 क प्रस्ताव मे 41 हजार 426 करोड़ क निवेश योजना क प्रावधान अछि। एहि मे स मात्र 15 हजार करोड़ वित्त मंत्रालय स बजटीय सहायता क रूप मे भेटत। करीब तीन हजार करोड़ रेलवे वित्त निगम जुटाउत। बाकी टका क इंतजाम रेलवे कए करबाक अछि। इ कतए स आउत? इ सरप्लस स आउत। कियाकि किछु माह पहिने रेलवे क श्वेतपत्र मे 2007-08 क बाद 13 हजार 481 करोड़ टका क शुद्ध सरप्लस देखाउल गेल छल। इ सरप्लस छठम वेतन आयोग, पेंशन निधि आ मूल्यह्रास आरक्षित निधि क लेल कैल गेल योगदान क बाद छल। जखकि 2009-10 मे एहि सबटा कटौती क बाद मात्र 951 करोड़ क सरप्लस देखाउल गेल अछि। ओतहि, अगिला वित्त वर्ष क लेल 3 हजार 173 करोड़ सरप्लस क अनुमान लगाउल गेल अछि। एहि स इ साफ भ जाइत अछि जे रेलवे क लग मे परियोजना क लेल अतिरिक्त धन 2007-08 क सरप्लस स निकालल जाएत आ एहि कारण स बाद क वर्ष मे सेहो सरप्लस कए कम देखाउल गेल अछि।
इस विषय मे पूर्व रेलमंत्री लालू प्रसाद क कहब अछि, ‘ममता हमरा पर आरोप लगेलथि, मुदा अपने गड़बड़ केलथि अछि। हम 11 हजार 72 करोड़ कैपिटल फंड मे देने रही। जखनकि एहि बेर एहि मद मे कोनो राशि नहि देल गेल अछि। ममता छठम वेतन आयोग क नाम पर 55 हजार करोड़ क समायोजन देखेलथि अछि। जखनकि वास्तव मे एहि मद मे केवल 41 हजार करोड़ क देनदारी बनैत अछि। बाकी टका कतए गेल?Ó एतबे नहि, ममता मूल्यह्रास आरक्षित निधि क लेल मात्र 4 हजार 500 करोड़ क प्रावधान केलथि अछि। जखनकि लालू क समय मे एहि मद मे 9 हजार करोड़ देल गेल छल। एहि तरह स पूरा 4 हजार 500 करोड़ क बचत ममता एहि ठाम करि लेलथि अछि। एहि स रेलवे क पुरान संपत्ति क नवीकरण क काज प्रभावित होएत, मुदा नव परियोजना क लेल टका बचि गेल अछि। लालू क अनुसार यदि इ राशि डीआरएफ मे देल जाएत त ममता लाभांश देबाक स्थिति मे सेहो नहि रहती। ममता अपन लोकलुभावन परियोजना क लेल विभिन्न तरीका स जे टका बचेलथि अछि ओकर बजट मे कतहू जिक्र तक नहि कैल गेल। ममता क एहि कदम स रेलवे क माली हालत एक बेर फेर बिगड़बाक जबरदस्त खतरा अछि। एकर संकेत ऑपरेटिंग रेशियो स भेट रहल अछि है, जे बढि़कए 94.7 प्रतिशत भ गेल अछि। मुदा रेल बजट मे एकर जिक्र करबाक ममता हिम्मत नहि जुटा सकलथि।

Tags: mamtarailway

Related Posts

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

दुबई घुमबाक क’ रहल छी प्लानिंग त’ अवश्य ल’ लिय इ इंश्योरेंस, नहि त’ बढ़त मोश्किल

September 3, 2020
Esamaad Epaper Website

नेपालक ओली सरकार लिपुलेखमे बटालियन तैनात कयलक, एहि यूनिटके भारतीय सेनाक गतिविधि पर नजरि रखबाक आदेश

September 2, 2020
दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

September 1, 2020
Indo China war, War in Border, Pangok Lake war

भारत-चीनक बीच फेर झगड़ा: पैंगोंग लेक लग चीनी सैनिक घुसपैठक प्रयास कयलक, सेना देलक मुंहतोड़ जवाब

August 31, 2020
ओमान क राजधानी मस्‍कट मे मनाओल गेल मैथि‍ली मिलन समारोह

ओमान क राजधानी मस्‍कट मे मनाओल गेल मैथि‍ली मिलन समारोह

September 16, 2019

बिहार-नेपाल बस सेवा शुरु

September 10, 2018
Next Post

नीलमणि बनलाह नव पुलिस महानिदेशक

बिहार क बजट मे सबहक फायदा

संसद मे युवा विपक्ष

Comments 1

  1. Arin says:
    9 years ago

    Call me wind because I am abouestlly blown away.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि