• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

साहित्यक लडाई आ आलोचनात्मक सोच स दूर रहथि मैथिली क छात्र : आइएएस गुरु शेखर

July 19, 2015
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

Purnendu Jhaपटना । आइएएस गुरु पूर्णेंदू शेखर झा लोकसेवा आयोग क परीक्षा लेल तैयारी क रहल छात्र सब कए साहित्यक लडाई आ आलोचनात्मक सोच स दूर रहबाक सलाह देलथि अछि। श्री झा रविदिन पटना संग्रहालय क सभागार में मैथिली साहित्य संस्थान क अभिनंदन समारोह में अपन उदगार राखि रहल छलाह । संघ लोकसेवा आयोग क परीक्षा मे कुल 15 गोट छात्र कए एहि स मैथिली विषय स सफलता दियौनिहार श्री झा कहला जे मैथिली स सिविल परीक्षा पास करब आब पूरा भारत क छात्र क मनोररथ बनि गेल अछि। परीक्षा क परिणाम स इ साबित भ चुकल अछि जे मैथिली अपन समकक्ष पूर्वी भाषा जेना बांग्ला, उडिया व असमी स बहुत नीक प्रतिशत मे परिणाम पाबि रहल अछि। संघ लोकसेवा आयोग तक मैथिली क एहि सफलता आ क्षेत्र विस्तार स अचंभित अछि । श्री झा कहला जे मैथिली भाषा आइ मिथिला क्षेत्र स बाहर निकलि यूपी स गुजरात धरि पसरि चुकल अछि । मैथिली पढनिहार आब बिहार स बेसी बाहर अछि। श्री झा कहला जे हुनकर संस्थान मे कुल 79 टा छात्र एहि साल मैथिली विषय क तैयारी लेल नामांकरण करा चुकल अछि, जाहि में मिथिला क्षेत्र स महज पांचटा छात्र अछि।

मैथिली भाषाक प्रति मिथिला मे उपेक्षापूर्ण रवैया पर क्षोभ व्यक्त करैत श्री झा कहला जे एहि ठामक लोग मैथिली पढनिहार कए एखनो बुरबक बुझैत अछि, अपन बच्चा कए मैथिली विषय रखबा स रोकैत अछि। मैथिली क साहित्य पर चर्चा करैत श्री झा कहलथि ते मैथिली मे कम काज भेल अछि मुदा जे काज भेल ओ उत्तम अछि। मैथिल समाज मे नकारात्मक आ आलोचनात्मक पक्ष एतबा मजबूत अछि जे ओ अपन काज केनिहार कए मोजर नहि दैत अछि। छात्र कए एहि साहित्य क लड़ाई स दूर रहबाक चाही। जे सामग्री उपलब्ध अछि ओकर नीक जेकां अध्ययन क अगर परीक्षा देल जाये त कोनो आन विषयक अपेक्षा मैथिली मे बेसी अंक भेटत। परीक्षा अंक लेबा लेल देल जेबाक चाहि नहि कि साहित्य बचेबा लेल। साहित्य बचेबाक काज छात्र क नहि अछि। एहि अवसर पर कमल चून्न कहला जे मैथिली साहित्य उत्क्रमित नहि अछि आ एकर स्तर सेहो उठबाक चाहि ताहि पर कथाकार अशोक कहला जे मिथिला मे इ बड खराब प्रवृत्ति अछि जे कियो सफल भेल त ओहि पर खुश भेलाक बदला मे ओकरा पर समस्याक एहन बोझ राखि दैत छी जे ओकरा लेल सफलता आफत भ जाइत छै। अशोक कहला जे सिविल सेवा में मैथिली पर चर्च हेबाक चाहि, साहित्य स स्तर कोना ठीक होएत एहि पर विचार क इ उचित मंच नहि अछि। सभा क अध्यक्षता करैत डॉ हेतुकर झा कहला जे आजुक समय मे जे बाजार मे ढार होएत ओ बचत। पूरक विकासवाद क एहि युग मे मैथिली कए अपन बाजार तय कएय पडत। डॉ झा कहला जे आइ मैथिली विश्व क 41म सबस लोकप्रिय भाषा अछि, मुदा बहुत रास एहन लोक अछि जेकरा बुझले नहि अछि जे ओ कोन भाषा बजैत अछि। डॉ झा कहला जे जीवंत भाषा क पाछु ओकर व्याकरण चलैत अछि, जखन कि मृत भाषा हरदम व्याकरणक लाठी ल अपना कए बचेबाक प्रयास करैत अछि। मंच संचालन भैरव लाल दा केलथि, जखन कि धन्यवाद ज्ञापन शिवकुमार मिश्र देलथि। एहि अवसर पर सभागार पूरा खचाखच भरल छल।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

नीतीश आखिर द देलथि शिक्षक कए वेतनमान

Esamaad Epaper Website

पटना मे चालू भेल बिहार क सबस पैघ फ्लाइओवर

Esamaad Epaper Website

दिल्ली हाट जेकां बिहार मे सेहो पटना हाट

Comments 1

  1. Sohan Jha says:
    10 years ago

    Hm barmahi me maithali lene chhalu bahut neek bishai aaichh aur Jha jee ke vichar s hm shmt chhi.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि