पटना। उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला अछि जे निर्माण क्षेत्र मे प्रगति क कारण बिहार क विकास दर उच्च स्तर पर बनल अछि। उपमुख्यमंत्री कहला जे केंद्रीय सांख्यिकीय संगठन क आंकडा क अनुसार बिहार क आर्थिक विकास क दर उच्च स्तर पर बनल अछि। बीतल पांच वर्ष स विकास क औसत दर 11 प्रतिशत क आसपास बनल अछि जेकर कारण निर्माण आ बुनियादी ढांचा क क्षेत्र मे निवेश अछि। योजनागत खर्च सेहो बढल अछि। ओ कहला जे सीमेंट, ईंट, गिट्टी आ छड़ क खपत राज्य मे बढल अछि, जे गहन निर्माण क्षेत्र क परिचायक अछि। 2005-6 मे सीमेंट बिक्री पर वाणिज्य कर स आय 119.32 करोड़ टका छल जे 2011-12 मे बढि कए 556.23 करोड पर पहुंच गेल अछि। मोदी कहला जे एहि वित्त वर्ष मे बिहार देश मे सबसे बेसी सीमेंट खपत केनिहार राज्य बनि गेल अछि। एहि प्रकार लोहा क छड़ क बिक्री स कर सेहो छह गुणा बढि कए 143.69 करोड़ भ चुकल अछि। ईट क बिक्री पर वाणिज्यकर विभाग कए 2011-12 मे 17 करोड आ गिट्टी क बिक्री स 9.29 करोड रुपये कर राजस्व प्राप्त भेल अछि। एकर अर्थ छी जे निर्माण कार्य मे लागि रहल एहि वस्तु क खपत सेहो बिहार मे बहुत बढल अछि। ओ कहला जे राज्य क सकल घरेलू उत्पाद मे कृषि क योगदान लेल बढोतरी लेल सेहो राज्य सरकार कई टा डेग उठा रहल अछि। 2011-12 क खरीफ मौसम क दौरान 2336 करोड टका किसान कए भुगतान कैल गेल। रबी क मौसम मे सेहो 15 लाख टन गेहूम कीनबाक लक्ष्य राखल गेल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper
नीक बात आ ओही आंकड़ा में इहो निकलत जे पटना(मगध में ) केवल ई सब विकास भय रहल अछि