• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सुईया भोंकनिहार कए सुईया टा देखाईत अछि : नीतीश

May 17, 2013
in समाचार
A A

Untitled-1 copy

पटना। उद्घाटन त हीरा उद्योग क इकाई क छल, मुदा महफिल मे छाएल रहल सूइया। खास गप इ जे पीड़ा देबाक अपन प्रकृति क उलट बृहस्पति दिन क सूइया सबकए हसेलक। जखन- जखन एकर नाम आएल, लोक ठहाका लगेलथि। श्रेन्यूज एंड कंपनी लिमिटेड क हीरातराशी इकाई क उद्घाटन पर सूइया क गप शुरू क श्रम संसाधन मंत्री जनार्दन सिंह सिग्रीवाल राजद प्रमुख लालू प्रसाद कए निशाना पर लैत कहलथि जे आब सपना नहि, सामने देखू सूइया क गप करैत छी! एहि ठाम त हीराक कारखाना लागि गेल।

एकर बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो चुटकी लेबा स पाछु नहि चुकलथि। राजद क परिवर्तन रैली कए निशाना पर लैत ओ कहलथि जे किछु समर्थक कए जुटा कए के की कहैत अछि से महत्वपूर्ण नहि अछि। दरअसल, भोकनिहार कए सुइये याद रहैत अछि। लोक गप सूईया क करैत छल आओर एहि ठाम हीरा आबि गेल, मुदा सूइया क सेहो कारखाना लगबाक चाही नहि त ओ सब दिन सुईया कारखाना लेल कनैत रहताह।

बिहार इंडस्ट्रीज एसोसिएशन क अध्यक्ष केपीएस केसरी आओर द बिहार चेंबर ऑफ कामर्स क पूर्व अध्यक्ष ओपी साह क नाम लैत ओ कहलथि जे हिनका सब स हम आग्रह सेहो करैत छी जे एकटा सूइया क कारखाना लगा देथि। कतेक पैसा लागत, किया त जखन तक सूइया क कारखाना नहि लागत , लोक बजैत रहत जे बिहार मे सुइयाक कारखाना नहि लागल। एहि स पहिने नीतीश कुमार पाटलिपुत्र इंडस्टियल एरिया मे बिहारक पहिल हीरातराशी कंपनी क उद्घाटन केलथि।

एहि मौका पर मुख्यमंत्री कहलथि जे इ कहब गलत होयत जे प्रदेश मे पूंजी निवेश नहि भ रहल अछि। असलियत इ अछि जे एहि ठाम बिहार क संग-संग बाहरी लोक सेहो निवेश क रहल छथि। मुख्यमंत्री कंपनी क सीएमडी श्रेयस स बिहार क आन क्षेत्र मे सहो निवेश करबा लेल आग्रह केलथि। एहि दौरान कंपनी अपन पहिल हीरा मुख्यमंत्री कए भेंट केलक, जे मुख्‍यमंत्री पटना संग्रहालय कए दान क देलथि आ कहल‍थि जे इ एतिहासिक दिन छी आ इ हीरा बिहार मे बदलावक प्रतीक अछि ताहि लेल एकर संग्रहालय मे नीक स प्रदर्शन कैल जाए। मुख्‍यमंत्री कहला जे के सोचने छल जे एक दिन बिहार मे हीरा क कारखाना लागत। हमरा लग जखन एहि संबंध मे प्रस्‍ताव आयल त पुलिस महानिदेशक क संग बैसार क तय केलहुं जे पुलिस जखन सुरक्षा क मानक पर तैयार भ जाएत तखन एहि प्रस्‍ताव पर मंजूरी देब। आइ हमरा इ कहैत खुशी भ रहल अछि जे बिहार पुलिस एहन वातावरण तैयार करबा मे सफल रहल जाहि मे बिहार निवेशक लेल सबस उपयुक्‍त राज्‍य भ गेल अछि। एहि अवसर पर कंपनी क सीएमडी श्रेयस कहला जे इ ईकाई हुनकर कंपनीक तेसर आ सबस पैघ ईकाई छी। एहि ठाम गुजरात क ईकाई मे काज केनिहार बिहारी कए नियुक्‍त कैल गेल अछि। ओ कहला जे एहि ठाम लगभग 600 करोड टकाक निवेश कैल जा रहल अछि आ करीब 1500 लोक कए रोजगार देल जा रहल अछि। ओ कहला जे इ बिहार लेल एकटा शुरुआत अछि जे गुजरात स 1500 बिहारी कारीगर आइ अपन राज्‍य लौट गेल अछि आ हिनका सब कए अपन राज्‍य मे ओ काज करबाक मौका भेट रहल अछि जे काज करबा लेल इ सब गुजरात गेल छलाह।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

नहि खसै देब पाग क प्रतिष्ठा : नीतीश

किछु एहन होएत नालंदा विश्वविद्यालय

Esamaad Epaper Website

एकटा पुल स जुडि गेल बहुत रास संबंध

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि