• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सुशांत केसमे नव खुलासा : सुशांतक दू गोट बहिन ड्रग्स लैत छलीह, नशाक कारण लगातार सुशांतक कैरियर खसि रहल छल

August 31, 2020
in समाचार
A A

Shruti Modi, Sushant Singh case, Sushant Singh Case update, Rhea chakraborty,

श्रुति मोदीक वकीलक आरोप- सुशांतक दू गोट बहिन ड्रग्स लैत छलीह, परिवारके सेहो बूझल छल; नशाक कारण लगातार सुशांतक कैरियर खसि रहल छल

 

अभिनेता सुशांत सिंह राजपूत मामिलामे ड्रग्सके ल’  प्रतिदिन नव खुलासा भ’ रहल अछि. ताजा मामिलामे सुशांत आ रिया चक्रवर्तीक मैनेजर रहल श्रुति मोदीक वकील अशोक सरावगी दावा कयलनि जे सुशांतक दू गोट बहिन ओहि पार्टीमे शामिल होइत छलीह, जाहिमे ड्रग्सक उपयोग होइत छल। किछु दिन पहिने ईडी रियाक दू गोट फोनक क्लोनिंग कयलक। एहि सं  रिकवर चैटमे ड्रग्स एंगलक खुलासा भेल छल, जकरा बाद गोवाक होटल कारोबारी गौरव आर्यके आइ ईडी पूछताछक लेल बजओलक अछि।

 

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

एकटा चैनलके देल इंटरव्यूमे सरावगी दावा कयलनि जे सुशांतक बहिन ड्रग्स पार्टीमे शामिल होइत छलीह। ओ कहलनि जे मुंबईमे रहयवाली सुशांतक बहिन शराबक सेवन करैत छलीह। ओ एकर अत्यंत शौकीन छलीह। अशोकक मानब छनि जे सुशांतक परिवारके एहि विषयमे जानकारी छल जे ओ ड्रग्स ल’ रहल छलाह ।

 

अशोक सरावगी कहलनि- एगो वॉट्सएप पर ग्रुप छल, जाहिमे ड्रग्स लेबय पर चर्चा होइत छल। ओहि ग्रुपमे सुशांत आ रियाक अलावा सोहेल (ड्राइवर और बॉडीगार्ड), दोस्त आयुष शर्मा, आनंदी छल, इ सभ कहियो काल सुशांतक घर पर रुकि क’ ड्रग्स लैत छल। ओहि  ग्रुपमे शामिल सभ ड्रग्स लैत छल। मैनेजर श्रुतिके सेहो इ लोकनि ड्रग्स लेबाक लेल कहने छल मुदा ओ मना क’ देलनि। श्रुति कहने छलीह जे जं हुनका स’ दोबारा इ पूछल गेल त’ ओ ग्रुप छोड़ि देतीह, एहि लेल हुनका स’ फेर नहि पूछल गेल। ओहि ग्रुपमे होयबाक कारणे सुशांतके ड्रग्सक विषयमे सभ किछु बूझल छल आ ओहो एकर सेवन करैत छलाह।

अशोक सरावगी बतबैत छथि जे सुशांत अपना खर्च के ल’ बहुत चिंतित छलाह आ ओ ओकरा शीघ्र कम करय चाहैत छलाह। सुशांतक खर्चके ल’ रिया 11 जनवरीके एक मीटिंग सेहो बजाने छलीह, जकर सुशांत हिस्सा त’ नहि बनि सकल छलाह, मुदा  मीटिंगक रिकॉर्डिंग कयल गेल छल, जकरा बादमे सुशांत सुनने सेहो छलाह।

 

अशोक सरावगी कहैत छथि जे सुशांतके बूझल छल जे हुनकर खर्च बहुत बेसी आ आ एहि लेल ओ चिंतित छलाह। ओ अपन टाकाके ल’ अत्यंत असुरक्षित रहैत छलाह। सुशांतक परिवार चाहैत छल जे ओ आपस आबि जाय, किये त’ ओ सुशांत लेल एक टा रेस्टोरेंट खोलबय चाहैत छलाह, मुदा सुशांतके इ मंजूर नहि छल।

 

श्रुतिक वकील इहो कहलनि जे ड्रग्सक कारणे सुशांतक कैरियर पर सेहो असरि पड़ि रहल छल. जनवरीमे एक गोट कंपनी सुशांतके अपन ब्रांड एंबेसडर बनबय चाहैत छल। मुदा तखन ओ मुंबईमे नहि छलाह, एहि लेल कंपनी कहने छल जे ओ एक्टरक पुरान फोटो स’ काज चलाओत, मुदा टाका सेहो 50% कम देत. सुशांतके ओ डील मंजूर नहि छल आ ओ मुंबई अयबाक वादा कयने छलाह। मुदा जखन सुशांत मुंबई पहुंचलाह त’ हुनकर स्तिथि देखि क’ कंपनी ऑफरे कैंसिल क’ देने छल। सुशांत ओहि  समय ठीक नहि छलाह।

 

एहि स’ पहिने काल्हि श्रुति मोदी आ सुशांतक बहिन मीतू सिंहक बीच भेल वॉट्सऐप चैट सोझाँ आयल छल। जाहि स’ इ खुलासा भेल अछि जे सुशांत डिप्रेशनमे छलाह, इ बात हुनका बहिनके बूझल छल। एहि चैटमे श्रुति डॉक्टरक नंबर आ सुशांतक लेल  प्रिस्क्राइब कयल गेल दवाइक नाम सेहो बतओलनि अछि. एहि चैटक स्क्रीनशॉटमे मीतू श्रुति स’ बात करैत अपने डॉक्टर स’ भेंट करबाक बात कहने छलीह. इ चैट 26 नवंबर 2019 केर अछि। श्रुति एहि चैटमे ओ प्रिस्क्रिप्शन सेहो शेयर कयलनि अछि जे डॉक्टर 10 दिनक लेल हुनका देने छल। एहि चैटमे हुनक बहिन मीतूक नाम नीतू दीदी लिखल अछि।

Tags: Sushant CaseSushant Singh Case

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Indo China war, War in Border, Pangok Lake war

भारत-चीनक बीच फेर झगड़ा: पैंगोंग लेक लग चीनी सैनिक घुसपैठक प्रयास कयलक, सेना देलक मुंहतोड़ जवाब

बिहार: नीतीश सरकार आर के महाजनके सौपलक पैघ जिम्मेदारी, बनौलक BPSC केर अध्यक्ष

बिहार: नीतीश सरकार आर के महाजनके सौपलक पैघ जिम्मेदारी, बनौलक BPSC केर अध्यक्ष

नहि रहलाह पूर्व राष्ट्रपति भारतरत्न प्रणब मुखर्जी

नहि रहलाह पूर्व राष्ट्रपति भारतरत्न प्रणब मुखर्जी

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि