• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

नहि रहलाह पूर्व राष्ट्रपति भारतरत्न प्रणब मुखर्जी

प्रणब दा केर राजनीतिक यात्रा:कोना 3 बेर प्रधानमंत्री बनैत-बनैत रहि गेल छलाह प्रणब मुखर्जी? यूपीए सरकारमे सदिखन संकटमोचक रहलाह; फेर राष्ट्रपति बनलाह आ भारत रत्न भेटलनि

August 31, 2020
in समाचार
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

पूर्व राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी (84) केर आइ अस्पतालमे निधन भ’ गेल। 10 अगस्त स’ ओ दिल्लीक आर्मी रिसर्च एंड रेफरल (आर एंड आर) हॉस्पिटलमे भर्ती छलाह। एहि दिन ब्रेन स’ क्लॉटिंग हटेबाक लेल इमरजेंसीमे सर्जरी कयल गेल छल। एकरा बाद स’ हुनकर स्तिथि गंभीर बनल छल। हुनका वेंटिलेटर पर राखल गेल छल। प्रणब 10 तारीखके अपन कोरोना पॉजिटिव होयबाक बात सेहो कहने छलाह। प्रणब केर निधन पर 7 दिन राष्ट्रीय शोक घोषित कयल गेल अछि। प्रधानमंत्री मोदी, राष्ट्रपति रामनाथ कोविंद आ राहुल गाँधी सहित अन्यान्य नेता लोकनि हुनका निधन पर दुःख व्यक्त कयलनि अछि.

प्रणब मुखर्जी। भारतीय राजनीतिमे हिनक नाम विरोधीओ सम्मान स’ लेत छथि। एगो क्लर्क आ एगो शिक्षक स’ फेर राजनेता एवं  राष्ट्रपति बनबाक यात्रा। प्रणब केर राजनीतिक कैरियरमे तीन बेर एहन अवसर आयल, जखन लागल जे प्रधानमंत्री वैह बनताह, मुदा तीनू बेर प्रणब दा प्रधानमंत्री नहि बनि सकलाह। ओ कतेक काबिल छलाह, एकर अंदाज पूर्व प्रधानमंत्री मनमोहन सिंहक एगो बयान स’ लगा सकैत छी। तीन साल पहिने मनमोहन कहने छलाह जे – जखन हम प्रधानमंत्री बनलहुँ, तहन प्रणब मुखर्जी एहि पदक लेल बेसी योग्य छलाह, मुदा हम की क’ सकैत छलहुँ? कांग्रेस प्रेसिडेंट सोनिया गांधी हमरा चुनने छलीह।

एहिठाम हम अहाँके प्रणब मुखर्जीक राजनीतिक यात्रा आ ओहि तीन अवसरक विषयमे बता रहल छी, जखन प्रणब दा सत्ताक शीर्ष पर माने प्रधानमंत्री पद धरि पहुँचि सकैत छलाह, मुदा एहन नहि भ’ सकल.

1. इंदिराक कैबिनेटमे नंबर-2 रहलाह, हुनका बाद प्रधानमंत्री नहि बनि सकलाह
बात 1969 केर अछि। इंदिराक आग्रह पर प्रणब दा पहिल बेर राज्यसभा स’ संसद पहुंचल छलाह। इंदिरा गांधी राजनीतिक मुद्दा  पर प्रणब केर बुद्धि केर प्रशंशक छलीह . यैह कारण छल जे ओ प्रणब दाके कैबिनेटमे नंबर दू केर दर्जा देलनि। इ अहू लेल खास भ’ जाएत अछि किए त’ एहि कैबिनेटमे आर. वेंकटरामन, पीवी नरसिम्हाराव, ज्ञानी जैल सिंह, प्रकाश चंद्र सेठी आ नारायण दत्त तिवारी सन कद्दावर नेता छलाह.

इंदिरा गांधीक हत्याक बाद अगिला प्रधानमंत्रीक रूपमे प्रणब केर नाम सेहो चर्चामे छल, मुदा पार्टी राजीव गांधीके चुनलक। दिसंबर 1984 मे लोकसभा चुनाव भेल। कांग्रेस 414 सीट जीतलक। कैबिनेटमे प्रणबके स्थान नहि भेटल। बादमे ओ लिखलनि-जहन हमरा बुझना गेल जे हम कैबिनेटक अंग नहि छी त’ दंग रहि गेलहुँ। मुदा, तैयो हम स्वयंके सम्हारलहुँ। पत्नी संग टीवी पर शपथ ग्रहण समारोह देखलहुँ।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

दू साल बाद माने 1986 मे प्रणब बंगालमे राष्ट्रीय समाजवादी कांग्रेस (आरएससी) केर गठन कयलनि। तीन साल बाद राजीव स’ हुनकर समझौता भेल आ आरएससीक कांग्रेसमे विलय भ’ गेल।

2. सात साल बाद दोसर बेर पीएम बनबाक अवसर हाथ स’ निकलल
बात 1991 केर अछि। राजीव गांधीक हत्या भेल। चुनावक बाद कांग्रेसक सत्तामे आपसी भेल। मानल जा रहल छल जे एहि बेर  प्रणब केर मोकाबिला कोनो दोसर चेहरा पीएम पदक दावेदार नहि अछि, मुदा अहू बेर अवसर हाथ स’ निकलि गेल। नरसिम्हा रावके प्रधानमंत्री बनाओल गेल। प्रणब दाके पाहिने योजना आयोगक उपाध्यक्ष आ फेर 1995 मे विदेश मंत्री बनाओल गेल।

3. 2004 मे सोनिया प्रणब केर स्थान पर मनमोहनके प्रधानमंत्री पदक लेल चुनलनि
फेर साल 2004 आयल। कांग्रेसके 145 आ भाजपाके 138 सीट भेटल, मुदा एकरा भाजपाक हारि मानल गेल। सरकार बनयबाक लेल कांग्रेस क्षेत्रीय दल सभ पर निर्भर छल, सोनिया गांधी लग स्वयं प्रधानमंत्री बनबाक अवसर छल, मुदा ओ एहन नहि  कयलनि। प्रणब मुखर्जीक नाम फेर चर्चामे छल मुदा सोनिया जानल मानल अर्थशास्त्री मनमोहन सिंहके प्रधानमंत्री पदक लेल  चुनलनि ।

मनमोहनक कैबिनेटमे सेहो नंबर-2 रहलाह प्रणब
2012 धरि मुखर्जी मनमोहन सिंहक कैबिनेटमे नंबर-2 रहलाह. प्रणब दा 2004 स’ 2006 धरि रक्षा, 2006 स’ 2009 धरि विदेश, आ 2009 स’ 2012 धरि वित्त मंत्रालय सम्हरलनि। एहि दौरान ओ लोकसभामे सदनक नेता सेहो रहलाह। यूपीए सरकारमे हुनक भूमिका संकटमोचक केर रहल। 2012 मे पीए संगमाके हरा क’ ओ राष्ट्रपति बनलाह। हुनका कुल वोटक 70 प्रतिशत प्राप्त भेल। बादमे एक बेर प्रणब दा कहने छलाह जे – हमरा प्रधानमंत्री नहि बनि सकबाक कोनो मलाल नहि। मनमोहन एहि पदक लेल सभ स’ योग्य लोक छलाह।
प्रणब दाके  भारतीय राजनीतिमे एगो विद्वान चरित्रक रूपमे सम्मान प्राप्त रहल। हुनका लग इतिहास, राजनीतिक शास्त्र आ कानूनक डिग्रि छल। क्लर्क, पत्रकार आ शिक्षकक तौर पर काज कयलनि. फेर 1969 मे पिताक नक्श-ए-कदम पर चलैत  राजनीतिमे आबि गेलाह। 2008 मे हुनका पद्म विभूषण आ 2019 मे भारत रत्न स’ सम्मानित कयल गेल।

मोदी कहने छलाह- हम प्रणबदाके हुनका काजक लेल भारत रत्न देलहुँ
प्रधानमंत्री मोदी पछिला साल संसदमे प्रणब दा लेल कहने छलाह, “हुनकर (कांग्रेसक) सरकारमे नरसिम्हा राव, मनमोहन सिंहके  भारत रत्न नहि भेटल। परिवार स’ बाहर किनको नहि भेटल। प्रणब दा देशक लेल जीवन खपाओलनि। हम हुनका भारत रत्न हुनक काजक लेल देलहुँ।

Tags: pranabpresident
ShareTweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Jee Main 2020 : अलग समय पर एंट्री, एक घंटा पहिने करय पड़त रिपोर्टिंग, बिहारमे 43 केंद्र पर 61,583 परीक्षार्थी देताह  परीक्षा

Jee Main 2020 : अलग समय पर एंट्री, एक घंटा पहिने करय पड़त रिपोर्टिंग, बिहारमे 43 केंद्र पर 61,583 परीक्षार्थी देताह  परीक्षा

बिहारक जल संसाधन मंत्री विदेश मंत्री स’ कयलनि भेट, कहलनि- राजयमे बाढ़िक समाधानक लेल नेपालमे हाईडैम आवश्यक, ठोस पहल करय केंद्र

बिहारक जल संसाधन मंत्री विदेश मंत्री स' कयलनि भेट, कहलनि- राजयमे बाढ़िक समाधानक लेल नेपालमे हाईडैम आवश्यक, ठोस पहल करय केंद्र

बिहार चुनाव: BJP-JDU के बीच 50-50 सीटक बंटवारा! बाकी घटक दलक लेल होयत इ फॉर्मूला

बिहार चुनाव: BJP-JDU के बीच 50-50 सीटक बंटवारा! बाकी घटक दलक लेल होयत इ फॉर्मूला

टटका समाचार

Die 10 Besten Kostenlosen Microsoft Paint

How Do I Fix Windows Update?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

by संपादक
June 4, 2021
0
कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

पटना : कोरोना मामलाक सुनवाई क दौरान राज्य सरकार दिस स देल गेल हलफनामा मे हाईकोर्ट कए कहल गेल अछि...

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि