नई दिल्ली। बाजार नियामक सेबी पटना मे कार्यालय खोलबा लेल जगह ताकि रहल अछि। भारतीय प्रतिभूति आ विनिमय बोर्ड (सेबी) बिहार क निवेशक, बाजार इकाइ आ कंपनी क जरुरत कए पूरा करबा लेल बिहार मे कार्यालय स्थापित करबाक फैसला लेलक अछि। ज्ञात हुए जे सेबी आईपीओ आ म्यूचुअल फंड सन क्षेत्र मे निवेशक कए आकर्षित करबा लेल कईटा उपाय केलक अछि। मार्च 2012 मे सेबी क निदेशक मंडल चंडीगढ़, इंदौर, बेंगलूर, कोच्चि, पटना, भुवनेश्वर आ जयपुर मे नव स्थानीय कार्यालय खोलबा पर मंजूरी देने छल। एकर मकसद सेबी क कामकाज कए विकेन्द्रित करब छल आ छाट शहर क निवेशक तक पहुंचब छल। सेबी क मुख्यालय मुंबई मे अछि।
नियामक शहर क मुख्य इलाका मे जगह तकबा लेल निविदा जारी केलक अछि। सेबी शुरू मे तीन साल क पट्टा पर संपत्ति लेत। शर्त मे एहि मे पट्टा क अवधि तीन साल आओर बढेबा क प्रावधान होएत। पटना मे 26 अगस्त कए एकटा सेमिनार मे सेबी क चेयरमैन यूके सिन्हा बिहार क लोक स दीर्घकालीन रिटर्न लेल म्युचूअल फंड आ शेयर बाजार मे निवेश करबा विचार करबा लेल कहने छलाह। सिन्हा कहने छलाह जे म्युचूअल फंड क्षेत्र मे बिहार क निवेश क हिस्सा केवल 0.42 प्रतिशत अछि आ डीमेट खाताधारक क संख्या सेहो काफी कम अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna