• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सैलूनक फोटो स संतोष केलक पूर्व मध्य रेलवे

April 25, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

Maharaja Saloon

तिरहुत रेलवे क महाराजा सैलनू क खूबी स परिचित भेल नव पीढी

दरभंगा । राजस्थान हो बा बिकानेर या फेर बडौदा सब ठाम रेलवे अपन धरोहर कए बचा रखने अछि आ आम लोक क संगहि पर्यटक ओहि धरोहर स परिचित होइत रहैत छथि। भारतीय रेलवे क 150म साल पूरा भेला पर जतए सबठाम क धरोहर क प्रदर्शनी कैल गेल, ओतहि पूर्व मध्य रेलवे तिरहुत रेलवे क महाराजा सैलून क मात्र फोटो देखा संतोष केलक। पूर्व मध्य रेलवे द्वारा जारी कैल गेल स्मारिका मे ओना तिरहुत रेलवे क बोर्ड गेज आ मीटर गेज ट्रैक वाला दूनू सैलून क विशेषता कए विस्तार स उल्लेख कैल गेल अछि, मुदा सैलून क वर्तमान स्थितिक संबंध मे कोनो जानकारी नहि देल गेल अछि। एहि रेल सैलून मे एकटा बैडरूम, एकटा ड्राइंगरूम, एकटा वाशरूम छल। सैलून कुल चारिटा कम्पार्टमेंट छल जाहि मे एकटा महाराजा आ तीनटा कोच राजकुमार लेल छल जेकरा कुमार साहब सैलूनक नाम स चिन्हल जाइत छल।
ज्ञात हुए जे बोर्ड गेज वाला सैलून कए 1962 मे सांसद डा कामेश्वर सिंह क निधन क बाद राज दरभंगा भारतीय रेलवे कए रखबा लेल द देलक। एकरा लेल राज दरभंगा रेलवे कए तय रकम चुका रहल छल। रेलवे एहि सैलून कए बरौनी क रेलवे यार्ड मे रखने छल। दुर्भाग्य स 1975 मे दरभंगाक सांसद आ रेलमंत्री ललित नारायण मिश्र क हत्या क बाद बिहारक एकटा राजनेता आ रेलवे क किछु बईमान अधिकारी क मिलीभगत स एहि सैलून क पॉश आ भीतरक चांदीक कृति लूटि लेल गेल आ सैलून कए तहस नहस क आगिक हवाले क देल गेल। पिछला 38 साल स ललित बाबू हत्याकांड जेना एहि अग्निकांडक रिपोर्ट नहि आबि सकल अछि, संगहि एक लाख टकाक बीमा रकम सेहो रेलवे नहि चुकेलक अछि। मीटर गेज क सैलूनक संबंध मे रेलवे किछु कहबाक स्थिति मे नहि अछि, जखन कि राज दरभंगाक दावा अछि जे ओ गोरखपुर यार्ड मे राखल गेल छल।
ज्ञात हो जे तिरहुत रेलवे क मालिक आ दरभंगा क महाराज लेल शाही तरीके स तैयार कैल गेल सैलून अपना आप मे एकटा अदभुत कृति छल। एहि मे चीन स आयल सागवान(टीक), चांदी, पीतल आ चंदनक प्रयोग कैल गेल छल। 1962 तक देशक जे महान विभूति दरभंगा एलाह ओ एहि शाही सैलून क सवारी केलथि। चाहे ओ बीकानेर क महाराज होइथि आ भारत क वाइसराय सब एहि सैलून क सवारी केने छथि। पूर्व राष्ट्Ñपति डॉक्टर सर्वपल्ली राधाकृष्णा समेत देशक कईटा नेता सेहो एहि सैलून पर सफर कर चुकल छथि।
एकर बावजूद रेल मंत्रालयक एकर प्रति उपेक्षा क स्थिति इ रहल जे मंत्रालय लग एहि सैलूनक कोनो फोटो तक उपलब्ध नहि छल। रेलवे क 150 म वर्षगांठ क अवसर पर रेलवे क पदाधिकारी किछु दिन पूर्व दरभंगा स्थित महाराजा कामेश्वर सिंह कल्याणी फाउन्डेशन स सैलून क स्वेत-श्याम फोटो मंगबा लेल आयल छलाह। जखन हुनका स पूछल गेल जे दूनू सैलून त रेलवे लग छल, त अधिकारी एकर कोनो प्रकार क जानकारी स इनकार केलथि।
महाराजा कामेश्वर सिंह कल्याणी फाउन्डेशन क प्रबंधक ट्रस्टी आ प्रसिद्ध चिंतक हेतुकर झा क अनुसार महाराजा कामेश्वर सिंह लग एक जोड़ी रेलवे सैलून छल। एकटा बोर्ड गेज ट्रैक लेल छल जेकर संबंध मे त जानकारी अछि मुदा मीटर गेज ट्रैक लेल जे छल ओकर संबंध मे कोनो जानकारी नहि अछि। श्री झा कहला जे मीटर गेजवाला सैलून बहुत दिन तक दरभंगा स्थित महाराजा क निजी रेलवे स्टेशन पर छल। इ प्लेटफॉर्म नरगौना पैलेस क परिसर मे अछि जे आब अपन वजूद बचेबा मे असमर्थ अछि।
दरभंगा क विधायक संजय सरावगी सेहो कहैत छथि जे ओ महाराजा क आधिकारिक आवास मे एहि सुसज्जित सैलून कए देखने छथि। ओ कहैत छथि जे ओ एकटा अभूतपूर्व धरोहर छल। मुदा दुर्भाग्य स एहि धरोहर क अंशमात्र आइ सुरक्षित नहि अछि। जनता दल यूनाइटेड क बिनोद झा कहब अछि जे दरभंगा महाराज क मीटर गेज सैलून कए ताकल जेबाक चाही आ मिथिला क एहि हेरिटेज कए रेलवे संग्रहालय मे सुरक्षित रखबाक चाही। पूर्व मध्य रेलवे द्वारा चित्र कए प्रदर्शित करबा लेल ओ रेल मंत्रालय कए धन्यवाद देलथि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

डीएमसीएच मे खुलल बिहारक पहिल मॉडलर ओटी

Esamaad Epaper Website

मैथिली आ भोजपुरी में जारी भेल श्रीगीत

Esamaad Epaper Website

बिहार कए भेटल जीत, पूर्वी क्षेत्र क अनएलोकेटेड बिजली मे भेटत हिस्सा

Comments 1

  1. Dr. Shashidhar says:
    12 years ago

    Neek vaa bejaay – appan appan mat thik.

    Par etbaa jaroor je ee chitra Aitihaasik dharohari chhee.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि