• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

सौ फीसदी कए पार करि गेल आठटा विभाग

April 22, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018


पटना। बिहार सरकार पहिने टका खर्च करबा मे कंजूस छल। वित्तवर्ष क अंत मे कईटा विभाग आवंटित राशि लौटा दैत छल, मुदा आई हालात बदलल अछि। बिहार क आठटा विभाग खर्च करबाक पिछला सबटा रिकार्ड कए तोडि़ देलक अछि। हिसाब सौ फीसदी कए सेहो पार करि गेल। उद्योग विभाग त 155.67 प्रतिशत राशि खर्च करि दरियादिलीक एकटा नव रिकार्ड बना लेलक।
सरकार क अद्यतन रिपोर्ट मे मार्च 2010 तक क खर्च क व्यापक ब्योरा अछि। एकर अनुसार वाणिज्य कर विभाग (100 फीसदी), वित्त विभाग , मानव संसाधन विभाग (101.90), कार्मिक विभाग (100), पर्यटन विभाग (100), शहरी विकास (114.58) आ खाद्य आपूर्ति विभाग 100 प्रतिशत राशि खर्च केलक अछि। कोष्ठक मे खर्च भेल राशि क मात्रा अछि। एहि विभाग कए 2009-10 मे क्रमश: 398 लाख, 11115.97 लाख, 139443 लाख, 28222 लाख, 4400.37 लाख, 2978 लाख, 77213 लाख तथा 3484.67 लाख टका आवंटित भेल छल।
नब्बे स सौ प्रतिशत राशि खर्च करनिहार विभाग मे पशु आ मत्स्य संसाधन (92.58 प्रतिशत), भवन आ आवास (92.36), सहकारिता (92.75), आपदा प्रबंधन (98.10), ऊर्जा (97.91), पर्यावरण आ वन (91.23), स्वास्थ्य (97.18), गृह (99.64), कला संस्कृति आ युवा मामला (92.28), सूचना आ जनसंपर्क (94.06), राजस्व आ भूमि सुधार (94.08), लघु जल संसाधन (92.24), अल्पसंख्यक कल्याण (98.67), योजना आ विकास (99), पथ निर्माण (99.98), ग्रामीण विकास (98.95), ग्रामीण कार्य (95.54), निबंधन-उत्पाद आ मद्य निषेध (99), विज्ञान प्रौद्योगिकी (99.07), गन्ना उद्योग (90.15), परिवहन (99.91), जल संसाधन (97.92), पिछड़ा आ अति पिछड़ा कल्याण (96.22), अनुसूचित जाति जनजाति कल्याण (95.83), समाज कल्याण (92.67) आ विधान परिषद (94.79 फीसदी) शामिल अछि। कोष्ठक मे खर्च क राशि क ब्योरा अछि।
दस्तावेज गवाह अछि जे सबस कम राशि लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण विभाग (पीएचईडी) खर्च केलक। 2009-10 मे एकरा 22700 लाख टका भेटल छल। मार्च 2010 तक मात्र 16258.51 लाख खर्च भेल। प्रतिशत मे मात्रा अछि-71.62 प्रतिशत। लगभग एतबे खर्च सूचना आ प्रौद्योगिकी विभाग क सेहो अछि-72.23 प्रतिशत। 2009-10 मे एकरा खर्च क लेल 5952 लाख देल गेल छल।
खर्च क मामला मे किछु विभाग अंतिम महीना मे रेस मे शामिल भेल। मसलन, फरवरी 2010 मे कृषि विभाग क खर्च क मात्रा सिर्फ 51.05 प्रतिशत छल। मुदा महीना भरि बाद, यानी मार्च 2010 मे इ बढि़कए 89.06 फीसदी भ गेल। एहन नमूना क कमी नहि अछि। हालांकि वित्त विभाग क एकटा वरीय अधिकारी एकरा मार्च लूट नहि मानि रहल छथि, हुनकर कहब अछि जे इ बिल्कुल स्वाभाविक अछि। कारण जे हमर वित्तीय वर्ष क तकनीकी पक्ष कए देखबा स इ असंगत नहि लागत। हुनकर कहब अछि, दरअसल वित्तीय वर्ष क समाप्ति क दौरान विभागीय खर्च क ब्योरा अद्यतन रहैत अछि। हां, मार्च महीना मे लगभग सब किछुअपडेट भ जाइत अछि। एहि स खर्च मे अचानक उछाल नजरि अबैत अछि।

Tags: bihar government

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

कुंवर सिंह क जयंती

कुंवर सिंह क जयंती

पाहुन क स्वागत

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि