पटना। प्रख्यात आर्किटेक्ट हफीज कांट्रैक्टर नवीन पाटलिपुत्र क सपना जगा देलथि अछि। पहिल बेर बिहार आयल कांट्रैक्टर कहला अछि जे बिहार आगू बढि रहल अछि। पटना क नाम विश्व मे पहिने स रोशन अछि, मुदा गंगा क कछैर क जमीन कए विकसित कैलाक बाद जे पटना विश्व क सामने आउत ओ एकदम अलग होएत। कांट्रैक्टर आइ नवीन पाटलिपुत्र क एकटा ले आउट सेहो प्रस्तुत केलथि।
कांट्रैक्टर क प्रस्तावित परियोजना कए देखलाक बाद फतुहा स्थित औद्योगिक क्षेत्र परिसर मे नवीन औद्योगिक शंकुल क शिलान्यास करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे गंगा क घाटी मे जतए बालू स भरल जमीन उभरि आयल अछि ओकर विकास क लेल जे ले आउट बनाउल गेल अछि ओ अदभुत अछि। मुख्यमंत्री कहला जे आब बिहार क बारे मे निवेशक कए कोनो गलतफहमी नहि अछि। ओ कहला जे ओ उद्यमी सब कए विश्वास देलथि अछि जे जखन धरि ओ उद्योग मे निवेश करब शुरू करताह ता धरि बिहार बिजली क मामला मे आत्मनिर्भर भ जाएत। ओ कहला जे अगिला मास पटना मे बिजनेस मीट होएत, जाहि मे अधिकारी क संग ओ अपने सेहो मौजूद रहताह। मीट क दौरान निवेशक क हर समस्या क समाधान कैल जाएत। एहि मीट मे बिहार इंडस्ट्रियल प्रमोशन कांउसिल क स्थापना सेहो हाएत। ओ कहला जे जिनका बिहार मे निवेश नहि देखा रहल छैन हुनका की कहल जा सकैत अछि, मुदा इ नवीन औद्योगिक संकुल एकटा आओर जवाब भ सकैत अछि। एहि ठाम लेदर हब क रूप मे काज करत। बिहार स मुंबई गेल लोक लेदर उद्योग मे अपन महत्वपूर्ण स्थान बना लेने छथि। आब मुंबई स एहि ठाम निवेश करब शुरू क देलथि अछि। एहि लेदर हब मे छह सौ उद्यमी पूंजी निवेश क रहल छथि आ कईटा कारखाना खुलबाक संभावना अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper