पटना । बिहार विधानसभा मे नेता प्रतिपक्ष अब्दुल बारी सिद्दीकी मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर एक बेर फेर तथ्यात्मक आरोप लगेलथि अछि। सिद्दीकी कहला अछि जे मुख्यमंत्री लोकतांत्रिक संस्कृति क अवहेलना क रहल छथि। सिद्दीकी कहला जे लोकतंत्र मे नेता प्रतिपक्ष क अपन वजूद अछि आ ओकर गप कए सेहो इ सरकार गंभीरता न नहि लैत अछि। सिद्दीकी कहला जे मुख्यमंत्री कोनो सवालक उत्तर देबा स बचैत छथि। लोकतंत्र मे आम जनताक सवाल क सेहो मुखिया कए उत्तर देबाक चाही, मुदा नीतीश कुमार आम जनता आ विधायक क त छोडू नेता प्रतिपक्षक सवालक उत्तर देबा लेल सामने नहि अबैत छथि। सिद्दीकी कहला जे इ परंपरा नीक नहि अछि। नेता प्रतिपक्ष द्वारा उठाउल गेल सवाल क जवाब स्वयं मुख्यमंत्री अथवा अधिकृत प्रवक्ता कए देबाक चाही। इ काज पार्टी प्रवक्ता द्वारा नहि कैल जेबाक चाही। मुदा वर्तमान सरकार एहि लोकतांत्रिक व्यवस्था कए ताक पर रखने अछि आ सरकार स पूछला पर पार्टी उत्तर दैत अछि। सिद्दीकी कहला जे ओ जखन जखन सरकार पर आरोप लगबैत छथि बा जनहित मे किछु गंभीर विषय उठबैत छथि, त ओहि स पूर्व दस्तावेज आ आंकडा क गंभीर अध्ययन करैत छथि। एहन मे हुनकर आरोप क खंडन सेहो सरकार कए दस्तावेज आ आंकडा क आधार पर करबाक चाही। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहन नहि करैत छथि। ओ आंकडा त छोडू अपने उत्तर देबा लेल सामने तक नहि अबैत छथि। एहि स साबित भ रहल अछि जे ओ सवाल स भागी रहल छथि ।’ सिद्दीकी क अनुसार हुनकर सवाल पर जे हुनका नौतिकता क पाठ पढ़ा रहल छथि हुनका स त ओ सवाल नहि केने छलाह तखन कौन नैतिक आधार पर ओ हुनकर उत्तर द रहल छथि आ एहन लोक क नैतिकता क पाठ लेबा स नीक जे आत्महत्या क ली। ओ कहला जे सत्ता क नशा मे डूबल जदयू कए पार्टी आ सरकार मे अंतर नहि देखा रहल अछि। ताहि हुनका नेता प्रतिपक्ष सन लोकतात्रिक पद क मर्यादा तक क ख्याल नहि होइत अछि। एहन कुकृत सब स बिहार मे एकटा नव तरह क राजनीतिक संस्कृति पनैप सकैत अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna