हाथ स निकलि सकैत अछि 25 करोड़ क योजना
पटना/भागलपुर : भागलपुर जिलाक कहलगांव मे हैंडलूम पार्क लगबाक संभावना लगभग खत्म भेल जा रहल अछि। हैंडलूम पार्क लेल कहलगांव मे जे जमीन बियाडा तय केने छल ओ उद्यमी कए नहि दिया सकल। हैंडलूम पार्क करीब 25 करोड़ क योजना अछि। एकरा वाणिज्य मंत्रालय सेहो स्वीकृति प्रदान क देने अछि। पार्क स्थापित करबाक समय सीमा लगभग समाप्त भ रहल अछि। एहन मे जतए भागलपुर मे एहि परियोजना लेल जमीन उपलब्ध नहि भ सकल ओतहि आब एकरा लेल आनठाम जमीन ताकल जा रहल अछि। ओना बिहार स इ प्रोजेक्ट छूटबाक आशंका क बीच आयोजक सब वाणिज्य मंत्रालय कए पत्र लिखलथि अछि जे ओ हैंडलूम पार्क लेल जिला मे दोसर जमीन ताकि रहल छथि। एहन मे प्रोजेक्ट लेल किछु आओर समय देल जाए।
हैंडलूम पार्क इंफ्रास्ट्रक्चर डेवलपमेंट कंपनी क निदेशक एनके सिंह बिहार सरकार क उद्योग विभाग स अनुरोध केलथि अछि जे ओ हैंडलूम पार्क लेल जिला मे दोसर जमीन दथि। किया त जखन इ प्रोजेक्ट क स्वीकृति भेटल छल तखन बिहार सरकार जमीन क उपलब्धता क वचन देने छल। एहि आधार पर कंपनी चाहैत अछि जे 25 एकड़ जमीन बिहार सरकार उपलब्ध करा दिये। ओ कहला जे समय बीतला क बाद कंपनी कए आब कहलगांव आ बियाडा स मोह भंग भ चुकल अछि आ जिला मे दोसर ठाम जेबाक फैसला ल चुकल अछि। ओ कहला जे वाणिज्य मंत्रालय जखन एकर स्वीकृति देने छल तखन शर्त रखने छल जे दू सालक भीतर प्रोजेक्ट क स्थापना भ जेबाक चाही, समय बीत गेल एखन धरि जमीन तक नहि भेट सकल अछि, प्रोजेक्ट की पूरा होएत। सिंह कहैत छथि जे आन जिला मे सेहो ओ अपन परियोजना कए नो प्रॉफिट, नो लॉस पर आधारित रखताह। एहि स बुनकर कए फायदा भेटत। भागलपुर हैंडलूम उद्योग मे काफी पाछु चल गेल छल, पार्क क स्थापना स एहि मे नव जान आबि सकैत छल। एहि प्रोजेक्ट मे केंद्र सरकार दिस स 70-75 फीसद सब्सिडी क प्रावधान अछि। सिंह दावा केलथि जे भूमिहीन किसान हैंडलूम पार्क आ प्रोजेक्ट क विरोध मे नहि छल, एकर पाछु किछु आओर कारण रहल। दोसर दिस हैंडलूम लेल कहियो विख्यात रहल मधुबनीक पंडौल औद्योगिक परिसर मे हैंडलूम पार्क लेल जमीन देबाक मांग जोर पकडि रहल अछि। रालोसपा क नेता राम कुमार झा क कहब अछि जे सरकार लग अगर भागलपुर मे जमीनक अभाव अछि त एहि परियोजना कए मधुबनी कए द देल जाए। श्री झा कहला जे मधुबनी हैंडलूम पार्क लेल उपयुक्त जगह अछि आ अगर एहि जिला कए इ परियोजना भेटैत अछि त पंडौल एक बेर फेर हैंडलूम बाजार मे अपन उत्पाद स विख्यात भ जाएत। संगहि जिलाक बुनकर कए सेहो फायदा पहुंचत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
madhubani jila me, rahika, madhubani, pandoul, kono prakhand me jagah banaol jaa sakait achhi, sarkaar mithila virodhi achhi, kahiyo nahi banaot