मधुबनी। सदर अस्पताल मे वित्तीय अनियमितता  क खुलासा एक क बाद एक भ रहल अछि। अधिकारी आ कर्मचारी,  दुनू मिल के सरकारी राशि क दुरुपयोग कयलन्हि अछि। जे राशि चेक द्वारा देबाक छल, नगद बाँटल गेल। जे लाभुक भुगतान पंजी पर अंगूठा लगा सकला हुनको, बिना अंगुठो बला सब के भुगतान क विभागीय काज समय से पूरा क लेलन्हि।
 जननी बाल सुरक्षा योजना क लाभ प्रसव पूर्वे किछु लाभर्थी के  देल गेलन्हि।  ई सब अनियमितता महालेखाकारक आडिट रिपोर्ट मे उठाओल गेल अछि। आडिटर लगभग नब्बे लाख क खर्च पर संदेह व्यक्त कयलन्हि अछि। प्रसवोपरान्त लगभग ४५६० लाभार्थी के चेक क स्थान पर नगद भुगतान कयल गेल अछि। ८० टा एहन लाभार्थी के भुगतान कयल गेल अछि जिनकर नामो तक लाभार्थी पंजी मे नहि छैन्ह। पंजी मे क्रमांक सेहो सुबिधा हेतु खाली छोड़ल गेल छैक जेकर विरूद्ध एक लाख बारह हजार रुपया भुगतान देखाओल गेल अछि परन्तु लाभार्थी क नाम नहि दर्ज अछि।
जननी बाल सुरक्षा योजना क लाभ प्रसव पूर्वे किछु लाभर्थी के  देल गेलन्हि।  ई सब अनियमितता महालेखाकारक आडिट रिपोर्ट मे उठाओल गेल अछि। आडिटर लगभग नब्बे लाख क खर्च पर संदेह व्यक्त कयलन्हि अछि। प्रसवोपरान्त लगभग ४५६० लाभार्थी के चेक क स्थान पर नगद भुगतान कयल गेल अछि। ८० टा एहन लाभार्थी के भुगतान कयल गेल अछि जिनकर नामो तक लाभार्थी पंजी मे नहि छैन्ह। पंजी मे क्रमांक सेहो सुबिधा हेतु खाली छोड़ल गेल छैक जेकर विरूद्ध एक लाख बारह हजार रुपया भुगतान देखाओल गेल अछि परन्तु लाभार्थी क नाम नहि दर्ज अछि।जाँच मे इहो स्पष्ट भेल जे लाभार्थी क अंगुठा बिना सत्यापित करौने ५४.३९ लाख क भुगतान क देल गेल अछि तेँ पूरा राशि संदेह प्रद भ गेल छैक।
भुगतान पंजी पर ३८८५ लाभार्थी अंगूठा लगौने छथि, हस्ताक्षर कर बाला नगण्य छथि।
भुगतान पंजी से स्पष्ट होइछ जे पंजी पर हस्ताक्षर करौने बिना ३.२१ लाख क भुगतान कयल गेल अछि। एहि तरहक सब भुगतान नगद मे कयल गेल अछि ।१७६ लाभार्थी आ ७५ आशा कार्यकर्ता क भुगतान आडिट अमान्य मानलक अछि।
								
								
																	
															 
			 
		    



 
                                
