पटना । लुधियाना क २५ बड़का वस्त्र निर्माता आ विहार क उद्योग विभाग क प्रधान सचिव डा एस सिद्धार्थ क संग कयल गेल राउंड टेबुल मीटिंग क पश्चात विहार मे २५ टा इकाइ लगेबाक घोषणा बृहस्पति दिन कयलनि।
डा. सिद्धार्थ कहलनि जे हिनक.प्रस्ताव राज्य प्रोत्साहन परिषद क विशेष बैसक बजाय एक मास क अंदर मंजूरी देल जेतैन। एहि सँ.लगभग २५ हजार व्यक्ति के रोजगार भेटतैन । पछिला वर्ष लुधियाना क वस्त्र निर्माता संघ क एक प्रतिनिधि मंडल पटना आयल छल जे राज्य क उद्योग नीति से प्रभावित भ के विहार मे.उद्योग लगेवाक इच्छा.व्यक्त कयने.छलाह।विहार मे अधिक सहुलियत भेटबा क संभावना देखैत ओ सब अपन इकाइ लुधियाना से विहार स्थानांतरित करबा क विचार.कयल। हुनक प्रस्ताव पर उद्योग विभाग विचार कए रहल छल जेहि क्रम मे बृहस्पति दिन लुधियाना में बैसक भेल। डा. सिद्धार्थ कहलनि जे निवेश क आक्कलन कयल जा रहल अछि। निवेशक के.डेहरी आव सोन मे जमीन.देल जयतन्हि।