पटना। श्रम संसाधन आ नियोजन विभाग 25 आ 26 मार्च कए राजधानी मे नियोजन मेला क आयोजन करि रहल अछि । जाहि मे कम स कम 10, 000 युवा कए रोजगार मुहैया करेबाक तैयारी चलि रहल अछि। नियोजन मेला मे 50टा स बेसी कंपनी भागीदारी करत।
विभागीय अधिकारी क कहब अछि जे राज्य मे युवा कए रोजगार मुहैया करेबा लेल सरकार कईटा डेग उठेलक अछि। जाहि मे नियोजन मेला सबस प्रमुख अछि। नियोजन मेला 25 कए दीघा आइटीआइ मे आयोजित कैल जाएत, जखनकि 26 कए मेला क आयोजन पटना क्षेत्रीय नियोजनालय मे होएत। मेला मे भाग लेबा लेल टेक्सटाइल, इंजीनियरिंग, साफ्टवेयर, वित्तीय सेवा, सिक्यूरिटी आ कटाई-बुनाई स संबंधित कईटा कंपनी संपर्क केलक अछि। मेला मे टेक्सटाइल क क्षेत्र क ऐनाकान सन कंपनी भाग ल रहल अछि। ओतहि इंजीनियरिंग क क्षेत्र क टीएनएस हैवी इंजीनियरिंग, डीटीएस, हीरो होण्डा, एसईएम टेली पावर, अल्ट्रा टेक्नोपैक, रिलायंस लाइव आ अवीवा लाइफ इंश्योरेंस सन कईटा कंपनी मेला मे भागीदारी करि रहल अछि।