• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाद विशेष

दरभंगा स विमान सेवा शुरू भेल

September 6, 2009
in समाद विशेष
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

airoदरभंगा। करीब चारि दशक बाद एक बेर फेर दरभंगा हवाईअड्डा पर स निजी यात्री विमान उड़ान भरत। दरभंगाक महाराजक कृपा स बनल एहि हवाई पट्टी स आब आम लोक सेहो 14 तारीख स उड़ान भरि सकताह।

दरभंगा स हवाई यात्रा क सपना 14 सितंबर स मूर्तरूप ल लेत। दरभंगा स पटना क बीच डीटीडीएस ट्रैवेल एण्ड टूर प्लानर कंपनी एकरा लेल अपन तैयारी पूरा करि लेलक अछि। एहि महीनाक 14, 18, 23, 25 आ 28 तारीख कए दरभंगा हवाई अड्डा स अपराह्न 12.45 बजे विमान उड़ान भरत। 45 मिनट बाद 1.30 बजे इ जहाज पटना पहुंचत। पटना स सांझखन 4 बजे इ रांची क लेल प्रस्थान करत। एहि संबंध मे कंपनी क बिजनेस डेवलपमेंट आफिसर चंदन मांझी कहला जे फिलहाल दरभंगा स पटना क बीच हवाई यात्रा क लेल प्रति यात्री 3481 टका भाड़ा राखल गेल अछि। हालांकि भविष्य में एहि मे कमी हेबाक संभावना अछि।
दरभंगा-पटना क बीच ट्रायल क तौर पर एखन सप्ताह मे दू दिन विमान उड़ान भरत। पटना स दरभंगा क लेल जहाज अपराह्न 11.30 बजे उडि़कए 12.15 बजे दरभंगा मे लैंड करत। 30 मिनट बाद इ पटना क लेल प्रस्थान करत। पटना स सांझखन 4 बजे रांची क लेल विमान उड़ेत। दरभंगा क संग ही पूर्णिया आ गया क लेल सेहो तिथि निर्धारित करि देल गेल अछि। एहि महीनाक 16, 21 आ 30 तारीख कए पटना स अपराह्न 11.30 बजे उड़ान भरकए इ जहाज अपराह्न एक बजे पूर्णिया पहुंचत। फेर पूर्णिया स 1.30 बजे चलिकए इ वापस तीन बजे पटना लौटत। एहि ठामक लेल 4817 टका प्रति यात्री भाड़ा तय कैल गेल अछि। पटना-गया क बीच हवाई यात्रा करबा लेल मात्र 2290 टका प्रति यात्री कंपनी कए बतौर भाड़ा देबाक अछि। पटना स गया क लेल एहि माहक 14, 16, 18, 21, 23, 25, 28 आ 30 कए विमान उड़ान भरत।
निर्धारित तिथि कए प्रात: 7.15 बजे रांची स इ विमान उड़ान भरत जे 8.50 पूर्वाह्न मे पटना पहुंचत। पटना स इ जहाज 9.25 पूर्वाह्न मे गया क लेल प्रस्थान करत। गया 10 बजे पहुंचत। 20 मिनट बाद 10.20 बजे वापस पटना क लेल चलत। 10.55 बजे इ पटना मे लैंड करत। रांची क लेल सांझखन 4 बजे उडि़कए इ 5.35 अपराह्न मे रांची पहुंचत। मांझी कहलथि जे पटना स रांची क बीच क भाड़ा कम राखल गेल अछि। 5454 टका क जगह आब मात्र 4794 टका भाड़ा लेल जा रहल अछि। मांझी कहब अछि जे यात्री क मांग कए देखला पर विमान सेवा कए प्रतिदिन आ थ्री सीटर क जगह पर नाइन सीटर एयर टैक्सी क परिचालन करबाक सेहो योजना अछि। दरभंगा स रांची क लेले डायरेक्ट टिकट भेटबाक प्रश्न पर ओ कहलथि जे अगर दूटा लोक सीधा रांची क लेल टिकट लेत त ओकरा इ सुविधा देल जाइत। फेयर मे लाभ भेटबाक बाबत ओ कहलथि जे एकरा लेल योजना बनाउल जा रहल अछि। दोसर दिस इंटरनेट क माध्यम स टिकट क बुकिंग सेहो शुरू भ गेल अछि।

Tags: air servicedarbhanga
ShareTweetPin

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

पटना मे सेहो चलत मेट्रो रेल

यूपी छोडि़ बिहार जा रहल अछि उद्योग

आर्सेनिक प्रभावित क्षेत्र क लोक लेल गंगाजल

Comments 6

  1. sadan jha says:
    14 years ago

    neek laagal. saaj-sajja seho bahut improve bhel achhi. sab mahina samaad denai badd parishram’k aa dhairya’k kaaj chhi. hamar badhai aa subhkamana.

    Reply
  2. alka says:
    14 years ago

    चिट्ठाजगत में आपका स्वागत है….
    http://www.alkagoel.com/index.html

    Reply
  3. चंदन says:
    14 years ago

    शुभ समाचार ।

    स्वागत अछि ।

    गुलमोहर का फूल

    Reply
  4. गजेन्द्र ठाकुर says:
    14 years ago

    बड्ड नीक प्रस्तुति। मोन प्रसन्न भए गेल।
    समाद मैथिलीक ऑनलाइन समाचारपत्रक रूप मे जे सेवा कए रहल अछि से
    लोकक मोनमे अंकित भए गेल अछि।

    Reply
  5. Hello Mithilaa says:
    14 years ago

    Bahut Barhia… aapka swagat hai… isi tarah likhte rahiye

    Please Visit:-
    http://hellomithilaa.blogspot.com
    Mithilak Gap…Maithili Me

    http://mastgaane.blogspot.com
    Manpasand Gaane

    http://muskuraahat.blogspot.com
    Aapke Bheje Photo

    Reply
  6. rajeev jha says:
    14 years ago

    Bahut Nik bat khas ka jinka sabke time kam achi aur mithlak lagao achi. Biswas achi je hum Mithila aur pargati karat aaway wala din main.Dhanyabad

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

How to Increase Download Speed in uTorrent by Changing Few Settings

How to Stay Anonymous with VPN for uTorrent

Make uTorrent Faster 8 Proven Tips Latest Guide

How to decrease or reduce the upload speed in uTorrent

Run uTorrent on Windows 10 or 11 DEV Community

What is Seeding in Torrenting? Torrent Seeding Explained

Why is bittorrent slow from my home computer?

Download files quickly and easily with uTorrent

How to Install uTorrent Web on Windows? GeeksforGeeks

बेसी पढ़ल गेल

आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

by संपादक
November 9, 2013
14
आधुनिक पटनाक निर्माण मे दरभंगा क योगदान

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि