पटना । इ इतिहास कए फेर स जीवित करब सन अछि। करीब 17 साल स बंद पडल राज्यक 56टा शिक्षक प्रशिक्षण महाविद्यालय मे एकबेर फेर स चहल पहल देखल जा रहल अछि। राष्ट्रीय अध्यापक शिक्षा परिषद (एनसीटीई) क मान्यता भेटलाक बाद कॉलेज मे नामांकन आ पढाई क नामांकन प्रक्रिया शुरू भ गेल अछि। एकरा लेल बहुत दिन स प्रयास जारी छल। आधारभूत संरचना निर्माण क संगहि दस-दसटा व्याख्याता कए नियुक्त कैल जाएत। शिक्षा विभाग क आदेश क अनुसार एहि सत्र स नामांकन शुरू भ गेल अछि।
एनसीटीई आधारभूत संरचना ध्वस्त भ जेबा सएहि संस्थान क मान्यता छीन लेने छल। एहि संस्थान सब कए बंद भेला स सब साल करीब 20 हजार अभ्यर्थी शिक्षण प्रशिक्षण स वंचित रहि जाइत छलाह। एहन मे अभ्यर्थी अन्य राज्य मे जाकए शिक्षक प्रशिक्षण लैत छलाह। ओना अल्पसंख्यक संस्थान एहि संस्थान सबहक बंद रहला स खूब फायदा उठबैत छल। पिछला 17 साल स बिहार मे केवल अल्पसंख्यक संस्थान टा एहन कॉलेजक संचालन क रहल छल। फिलहाल एनसीटीई आधारभूत संरचना क आलोक मे 50-50 आ 100-100 सीट पर अभ्यर्थी क नामांकन क मान्यता देलक अछि। निकट भविष्य मे सीट क संख्या मे बढ़ोतरी कैल जाएत। शोध आ प्रशिक्षण निदेशालय सबटा संस्थान मे अभ्यर्थी क नामांकन लेल मार्गदर्शिका जारी क देलक अछि। नामांकन प्रक्रिया मे राष्ट्रीय अध्यापक शिक्षा परिषद (एनसीटीइ) द्वारा तय मानदंड क सख्ती स पालन कैल जाएत। नामांकन मे सामान्य कोटि क अभ्यर्थी लेल 50 प्रतिशत अंक जरूरी अछि। आरक्षित कोटि या विकलांग लेल 5 फीसद अंक क छूट देल जाइत। कालेज स्तर पर नामांकन लेल विज्ञापन क बाद एक माह क समय इच्छुक अभ्यर्थी कए आवेदन लेल देल जाएत। एकर बाद चयन कमेटी अंक क औसत क आधार पर मेधा सूची जारी करत। एहि संबंध मे निदेशालय सबटा प्राचार्य कए आवश्यक दिशा-निर्देश सेहो जारी क देलक अछि। अभ्यर्थी क चयन क आधार दसवीं आ बारहवीं कक्षा मे प्राप्त अंक क प्रतिशत होएत। नामांकन मे अभ्यर्थी बैस न्यूनतम 18 वर्ष आ अधिकतम 34 वर्ष तय कैल गेल अछि। पिछड़ा वर्ग आ अति पिछड़ा वर्ग लेल बैस मे 2 वर्ष, अनुसूचित जनजाति आ अनुसूचित जनजाति आ नि:शक्त लेल 5 वर्ष क छूट देल जाएत। नामांकन लेल देल गेल आवेदनक चयन पांच सदस्यीय कमेटी करत जाहि मे जिला शिक्षा अधिकारी (अध्यक्ष), कालेज क प्राचार्य (सचिव), महाविद्यालय क वरीय व्याख्याता, जिला कल्याण अधिकारी द्वारा मनोनीत एकटा पदाधिकारी, राज्य शिक्षा शोध आ प्रशिक्षण परिषद (एससीइआरटी) क संकाय सदस्य (सदस्य) शामिल रहताह।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper