पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार गुरुदिन क गांधी मैदान पर गांधी जी क प्रतिमा क समीप 2012 तक सूबा कए निर्मल बिहार बनबाक संकल्प देलाह। विश्व स्वच्छता दिवस पर मुख्यमंत्री सरकारी स्कूल क तीसरी कक्षा क छात्र कए साल मे पोशाक मद मे पांच सौ टका सहायता देबाक घोषणा केलथि। लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण विभाग क तरफ स आयोजित कार्यक्रम में विधान परिषद क सभापति ताराकांत झा, उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी, विभागीय मंत्री अश्विनी कुमार चौबे सेहो अपन गप रखला। मुख्यमंत्री कहला जे 90 प्रतिशत बीमारी क जड़ मे अस्वच्छता अछि। विकसित राज्य क लेल जरूरी अछि जे हम पहिने निर्मल बिहार क परिकल्पना साकार करू। बिहार एक मात्र देश क ऐहन प्रदेश अछि, जतय गरीबी रेखा स ऊपर गुजर बसर करै वाला परिवार क सेहो शौचालय निर्माण क लेल सहायता देल जा रहल अछि। मुख्यमंत्री कक्षा तीन क छात्र कए पोशाक, स्वेटर आ जूता-चप्पल खरीदने क लेल प्रति छात्र-प्रति वर्ष 500 टका क सरकारी मदद देबाक घोषणा केलथि। एहि अवसर पर उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी सफाई मे सब कए क सहयोग मांगलथि। ओ भोजन स पूर्व हाथ क स्वच्छता पर बल देलथि। ओ बच्चा कए इ नसीहत देला जे अपन पास ओ गंदगी नहि फैल दिए। विभागीय मंत्री अश्विनी कुमार चौबे कहला जे पूरा बिहार मे विश्व स्वच्छता दिवस क मौका पर लोग कए जागरूक क जा रहल अछि।