पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क अध्यक्षता मे भेल राज्य मंत्रिपरिषद क बैसार मे पंचदश बिहार विधानसभा क अष्टम (बजट) सत्र आ बिहार विधान परिषद क 173म सत्र क औपबंधिक कार्यक्रम कए मंजूरी प्रदान करि देल गेल। मंत्रिमंडल सचिवालय समन्वय विभाग क अवर सचिव विनोद प्रसाद सिंह कहला अछि जे 18 फरवरी स शुरू भ रहल बिहार विधानमंडल क बजट सत्र तीन अप्रैल तक चलत। कार्यक्रम क अनुसार 18 फरवरी कए बिहार विधानमंडल क दूनू सदन कए संयुक्त बैसार कए राज्यपाल संबोधित करताह। 19 फरवरी कए आर्थिक सर्वेक्षण पेश कैल जाएत आ 21 फरवरी कए आम बजट पेश कैल जाएत। 22 फरवरी कए वित्तीय वर्ष 2013-14 लेल आय-व्ययक क उपस्थापन कैल जाएत। 15 मार्च कए वित्तीय वर्ष 2012-13 क आय-व्ययक स संबंधित तृतीय अनुपूरक व्यय विवरणी क उपस्थापन कैल जाएत।
सिंह कहला जे मंत्रिपरिषद एकर अलावा मुख्यमंत्री ग्राम सम्पर्क योजना क तहत 26 हजार पांच सौ पैंतीस करोड़ साठ लाख टका क लागत स 250 तक क आबादी वाला ओहन 54103 टोला-बसावट जतए सम्पर्क पथ नहि अछि ओकरा सम्पर्क प्रदान करबा लेल स्वीकृति प्रदान करि देलक अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर