• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

दरभंगा फिल्‍म फेस्टिवल मे देखाउल जाएत जगदीशचंद्र बोस

January 26, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

दरभंगा। मैथिली फिल्म क स्वर्ण जयंती (50 साल) वर्ष क उपलक्ष्य पर दरभंगा फिल्म क्लब 02 -03 फरवरी कए पहिल दरभंगा अंतरराष्ट्रीय फिल्म फेस्टिवल क आयोजन करि रहल अछि। जगदीश चंद्र बोस दरभंगा अंतरराष्ट्रीय फिल्म फेस्टिवल क मुख्‍य आकर्षण होएत। एकर संगहि कईटा आओर फीचर फिल्‍म, लघु फिल्‍म आ वित्‍तचित्र क प्रदर्शन होएत। एहि मे मिथिला क लोक मैथिली क संगहि कईटा अन्य् भाषाक फिल्‍म सेहो देख सकताह, जाहि मे पांच टा विदेशी फिल्म सेहो शामिल अछि। दरभंगा अंतरराष्ट्रीय फिल्म फेस्टिवल मे जाहि फिल्म क प्रदर्शन होएत ओकर अंतिम सूची जारी क देल गेल अछि। ज्ञात हुए जे मिथिला क धरती पर इ दोसर फिल्मम महोत्सरव होएत। एहि स पूर्व दरभंगा मे किछु साल पहिने बाल फिल्मे महोत्सवक आयोजन भ चुकल अछि।
पहिल दरभंगा अंतरराष्ट्रीय फिल्म फेस्टिवल क आयोजन लक्ष्मीविलास पैलेस (कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय) क एतिहासिक दरबार हॉल मे होएत। आयोजनकर्ता सबहक कहब अछि जे मैथिली फिल्म क संगहि एहि धरती पर बनल अन्य) भाषाक फ़िल्म सबहक मिथिला क संस्कृति कए संरक्षण आ संबर्धन मे महत्वहपूर्ण योगदान रहल अछि। एहि अंतरराष्ट्रीय फिल्म फेस्टिवल क आयोजन स मिथिला क्षेत्र मे सिनेमा आ वित्त्चित्र क निर्माण आ प्रदर्शन कए गति भेटत।
फिल्म फेस्टिवल क कोर कमेटी क सदस्यल मेराज सिद्दीकी एहि संबंध मे जानकारी दैत कहला जे दरभंगा फिल्म क्लब एहि आयोजन क माध्याम स मैथिली सिनेमा आ विश्व मे पसरल क्षेत्रीय सिनेमा क बीच एकटा सेतु क काज करत। दोसर शब्द मे कहल जाए त एहि आयोजन स दरभंगा फिल्मथ जगत मे एकटा प्रमुख स्थलक रूप मे उभरत आ एहि ठाम फिल्मे क लेल काज क वातावरण तैयार भ सकत। दरभंगा अंतरराष्ट्रीय फिल्म उत्सव स मिथिला दिस फिल्म उद्योग क ध्याटन आकृष्टल होएत आ राष्ट्रीय आ अंतरराष्ट्रीय फिल्म उद्योग स मिथिला आ मैथिली क जुडाव संभव भ सकत।
ओ कहला जे कहबा लेल मैथिलि सिनेमा 50 साल क सफर तय क लेक मुदा एखनो इ डेगा-डेगी चलबाक प्रयास क रहल अछि, तेकर कारण अछि जे एकरा सरोकारी व्यावसायिक बनेबाक लेल सरकारी स्तर स कोनो पहल नहि भ सकल अछि। दरभंगा मे भ रहल एहि अंतरराष्ट्रीय फिल्म उत्सव स मैथिली सिनेमा कए नव पहचान भेट सकत।
दरभंगा अंतरराष्ट्रीय फिल्म उत्सव मे विदेशी फिल्म क संबंध मे ओ कहला जे ज़ाहिर अछि दरभंगा अंतरराष्ट्रीय फिल्म उत्सव क दौरान दुनिया भरि क अलग अलग भाषा क फ़िल्म क प्रदर्शन होएत। ओ कहला जे एहि आयोजनक दौरान केवल फिल्मल देखबाक मौका नहि भेटत बल्कि एहि फिल्मल स जुडल लोक सब स सीधा संवाद करबाक मौका सेहो भेट सकत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बरसात स पहिने भेटत दरभंगा कए अंतरराष्‍ट्रीय बस पडाव

जयपुर साहित्‍य महोत्सव मे भेटल मैथिली कए नव पहचान

मिथिला एखनो पूज्‍यनीय अछि : सरिता

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि