रिजर्व बैंक के खुलासा, मोदी सरकार मे 90545 करोड़ क 19560 घोटाला पकड़ल गेल
रोज 14टा धोखाधड़ी आ बैंक सबकए 78 करोड़ रुपयाक फ्रॉड पकड़ल गेल
मणिभूषण राजू
नई दिल्ली । विगत पाँच साल मे देशक बैंक सब मे कुल 23866 घोटाला पकड़ल गेल । एहिमें एक लाख 718 करोड़ टकाक हेराफेरी पकड़ायल । यानि रोजाना बैंक धोखाधड़ी क 14टा मामला सोझा आएल, जहिमें बैंक कए 78 करोड़ प्रतिदिन क हिसाब सँ चूना लागल । रिजर्व बैंक आरटीआई क आवेदन क जवाब मे ई जानकारी देलथि । रिजर्व बैंक कहलक जे एहि सब घोटाला सँ जुड़ल लोकक खिलाफ कार्रवाई भए रहल अछि । आईआईएम बंगलौर क स्टडी रिपोर्ट क आधार पर करीब 55% बैंक फ्रॉड सरकारी बैंक सबमें भेल, मुदा रकम क हिसाब सँ ई हिस्सेदारी 83% भए जायत अछि । दिसंबर 2017 धरि बैंक सबकए 8.41 लाख करोड़ क लोन फँसल छल।
8.40 लाख करोड़ अछि बैंक सबहक एनपीए
बैंक घोटाला मे सबसँ पैघ हिस्सेदारी लोन फ्रॉड क अछि। फरवरी मे एकटा दोसर आरटीआई आवेदन क जवाब मे रिजर्व बैंक कहने छल जे 2012-13 सँ 2016-17 क दौरान सरकारी बैंक मे लोन फ्रॉड क 8670 मामला भेल छल । एहि मे बैंक सबकए 61260 करोड़ टका फँसल अछि । 2012-13 मे 6357 करोड़ टकाक लोन फ्रॉड भेल छल । 2016-17 मे ई बढ़ि कय 17634 करोड़ टका भए गेल ।