पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क घोषणाक बाद 26 नवम्बर कए मद्य निषेध दिवस क रूप मे मनेबाक सरकारी फरमान जारी भ गेल। ज्ञात हुए जे विधान परिषद मे जनता दल यूनाइटेड क वाल्मीकि सिंह क एकटा तारांकित प्रश्न पर उत्पाद आ मद्य निषेध मंत्री विजेन्द्र प्रसाद यादव क उत्तर क दौरान हस्तक्षेप करैत नीतीश कुमार कहने छलाह जे 26 नवम्बर क दिन प्रदेश क सरकार शपथ लेने छल। ओहि तारीख कए प्रत्येक वर्ष मद्य निषेध दिवस क रूप मे मनाउल जाएत।
मुख्यमंत्री कहला जे उत्पाद आ मद्य निषेध विभाग मे यदि आय बढ़ल अछि त एकर मतलब इ नहि अछि जे शराब क प्रचलन बढ़ल अछि। ओ कहला जे एकर अवैध कारोबार पर नियंत्रण भ गेल अछि जाहि स राजस्व बढ़ल अछि।