• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

28 हजार करोड भेल बिहार क योजना आकार

June 27, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

समदिया
नई दिल्‍ली। एहि साल योजना आयोग बिहारक योजना आकार 28 हजार करोड तय केलक अछि। योजना आयोगक संग भेल राज्‍य सरकारक बैसार मे इ अनुमोदन कैल गेल। इ राशि पिछला सालक तुला मे 30.9 प्रतिशत बेसी अछि। योजना आयोगक उपाध्‍यक्ष मोंटेक सिंह अहलुवालिया आ बिहारक मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमारक बीच भेल बैसार मे राज्‍य क उपमुख्‍यमंत्री सुशील कुमार मोदी समेत कईटा अधिकारी मौजूद छलाह। बैसारक बाद श्री अहलुवालिया कहला जे ओ बिहारक विकास क गति स खुश छथि आ बिहार तेजी स विकसित राज्‍य दिस जा रहल अछि। ओ कहला जे एहि बेर मंजूर भेल योजना आकार मे राज्‍य सरकारक अंशदान 46.11 प्रतिशत अछि यानि 12910 करोड टका क व्‍यवस्‍था राज्‍य सरकार खुद करत, जखन कि बाजार स 28.27 प्रतिशत राशि यानि 7916 करोड कर्जक रूप मे लेल जाएत। बाकी बचल 25.62 प्रतिशत यानि 7174 करोड केंद्र देत। उल्‍लेखनीय अछि जे 2004-05 क योजना आकार मे केंद्र अंशदान 70 प्रतिशत छल, जे आब घटि कए 25.62 प्रतिशत पर आबि गेल अछि। बिहार लेल इ एकटा शुभ संकेत अछि जे इ राज्‍य अपन टांग पर ढार भ रहल अछि। बिहारक आर्थिक हालात पर चर्च करैत ओ कहला जे राज्‍य सरकार 2005-06 मे योजना आकारक मात्र 9.26 प्रतिशत अंशदान दैत छल जे आब बढि कए 46 प्रतिशत तक पहुंच गेल अछि। एहि स पता चलैत अछि जे राज्‍यक आर्थिक स्थिति केतबा मजबूत भ रहल अछि। एहि अवसर पर मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार कहला ले किछु साल पहिने तक कर्मचारी कए दरमाहा देबा लेल सेहो टका राज्‍य सरकार अपन स्‍तर स नहि जुटा पाबि रहल छल, मुदा आब एहि काज लेल ककरो मुंह नहि दखए पडैत अछि। ओ कहला जे हुनकर सरकार जहिया राज्‍य मे बनल राज्‍यक योजना आकार काफी कम छल। हुनकर सरकार 2005-05 मे 4676 करोड क योजना आकार केंद्र लग अनलक आ इ क्रमश: 8470, 9652,12851,14183,18717 आ 21018 करोड तक पहुंचेलक। एहि साल इ आकर 28 हजार करोड भ गेल अछि। मुख्‍यमंत्री कहला जे हुनकर प्राथमिकता नहि बदलल अछि किया कि बिहार कए एखन बहुत आगू ल जेबाक अछि आ विकासक गति सेहो तेज करबाक अछि। ओ कहला जे सरकारक प्राथमिकता एखनो आधारभूत संरचनाक विकास अछि। कुल योजना आकारक 19 प्रतिशत भाग सडक सन आधारभूत संरचनाक विकास मे खर्च कैल जाएत। ओ कहला जे बिहारक विकास दर आन राज्‍य स जरूर बेसी अछि मुदा बिहार कए विकसित राज्‍य बनेबा लेल एकरा आर बेसी करबाक जरूरत अछि। एना विकास करत त बिहार कए विकसित राज्‍य बनबा मे 20 साल लागि जाएत, ताहि लेल विकास गति कए कम स कम दोगुना करबाक प्रयास कैल जा रहल अछि। मख्‍यमंत्री कहला जे राज्‍य सरकार एकरा लेल कृषि पर खास ध्‍यान द रहल अछि आ एहि साल 77 लाख मैटिक टन चाउर क उत्‍पादन क बिहार नव इतिहास रचि देलक अछि। ओ कहला जे 11म योजना मे जीएसडीपी क वृद्धि दर 12.08 प्रतिशत छल, जाहि स प्रति व्‍यक्ति शुद्ध आय मात्र 8353 टका छल, मुदा वर्तमान दर मे 195 प्रतिशत क बढोतरी दर्ज भेल अछि आ इ 24681 टका भ गेल अछि। मुख्‍यमत्री कहला जे इ वृद्धि बिहारक अनुपात मे बहुत अछि मुदा विकसित राज्‍य लेल एखन लंबा रास्‍ता तय करबाक अछि। ओ राज्‍य सरकारक प्रस्‍ताव कए स्‍वीकार करबा लेल योजना आयोग क उपाध्‍यक्ष कए धन्‍यवाद देलथि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

निगम कए भेल पोखरिक चिंता

Esamaad Epaper Website

राज श्‍मशान माधेश्‍वर क विकास लेल 6 करोड

Esamaad Epaper Website

बदलत गाम क तकदीर

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि