नई दिल्ली । दिल्ली वासी नाटक देखेबाक लेल दिल्ली एक बेर फेर स तैयार अछि । एहि बेर ई महोत्सव 11 से 12 नवंबर दिल्ली क मेघदुत परिसर, रविन्द्र भवन, फ़िरोज शाह रोड, मण्डी हाउस, नई दिल्ली मे होमय जा रहल अछि । मलंगिया फाउडेशन दिस स आयोजित एहि कार्यक्रमक क प्रायोजक छथि संस्कृति मंत्रालय भारत सरकार आ इ महोत्सव संगीत नाटक अकादमी दिल्ली क तत्वाधान मे भए रहल अछि ।
11 स 12 नवंबर तक होए बला एहि कार्यक्रम मे विभीन्न प्रकार क सेमिनार और नाटकक आयोजन होएत । पटना, मधुबनी आ दिल्ली क रंगकर्मी तीनू दिनक नाटक मे चारि चांन लगा दैत ।
कार्यक्रम क रूपरेखा नीचा अछि ।
11 नवंबर 2017
सेमिनार –
11 -1.30 बजे तक (पहिल सत्र)
2 – 4.30 बजे तक(दोसर सत्र)
नाटक – 1
देह पर कोठी खसा दिअ (सायं-5.30 स 6.30 धरि )
निर्देशक – मुकेश झा
प्रस्तुति – बारहमासा, दिल्ली
नाटक – 2
ओ खाली मुँह देखै छै
(सायं 7 स 8.30 धरि)
निर्देशक – ऋषि मलंगिया
प्रस्तुति – मलंगिया फाउंडेशन
कार्यक्रम- 12 नवंबर 2017
सेमिनार –
11 -1.30 बजे तक (प्रथमसत्र)
2 – 4.30 बजे तक (दूसरा सत्र)
नाटक – 1
हाय रे हमर घ’रवाली
(सायं-5.30 बजे से 6.30बजे)
निर्देशक – अभिषेक
प्रस्तुति – अछिन्जल, मधुबनी
नाटक -2
काठक लोक
(सायं7 बजे से 8.30बजे तक )
निर्देशक – कुमार गगन
प्रस्तुति – भंगिमा, पटना