• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

शि‍क्षा क सर्वांगीण विकास बिना भारत क विकास संभव नहि – विक्रमादित्य खॉं

November 6, 2017
in समाचार
A A
84
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

सहरसा । वरिष्‍ट शि‍क्षाविद आ राष्‍ट्रपति पुरस्‍कार विजेता श्री विक्रमादित्‍य खॉं रविदिन कहलथि‍ जे आजुक समय मे बच्‍चा सब में नैतिक शि‍क्षाक घोर अभाव अछि, केवल पुस्‍तकीय ज्ञान स कोनो आदमी मनुष्‍य नहि बनत । शि‍क्षक कए मनुष्‍य बनेबाक लेल बड़्ड मेहनत करय पड़त आ ई खाली शि‍क्षके टा नहि अपितु समाज क हर आदमी क आवश्‍यकता अछि जे ओ आदमी कए मनुष्‍य बनेबा म मदद क‍रथु । शि‍क्षा क सर्वांगीण विकास बिना भारत क विकास संभव नहि अछि । उक्‍त गप रवि दिन ओ सहरसा सोशल मीडिया दिस स संचालित ग्रुप मिलन समारोह मे कहलथि‍ ।

रविदिन सहरसा क स्थानीय रमेश झा महिला महाविद्दालय, सहरसा मे सोशल मिडिया क सहरसा ग्रुप का भव्य आयोजन भेल । समारोह क उद्घाटन रमेश झा महिला महाविद्दालय, क प्राचार्या डा.रेणु सिंह, राजेंद्र मिश्र महाविद्दालय क प्राचार्य डा.आर.बी.झा, सर्वनारायण सिंह महाविद्दालय के प्राचार्य डा.के.एस.ओझा,  राष्ट्रपति पुरस्कार सम्मानित शिक्षाविद् श्री विक्रमादित्य खॉं, सदर एस.डी.पी.ओ.श्री प्रभाकर तिवारी, निर्वतमान विधायक डा.आलोक रंजन, श्री किशोर कुमार मुन्ना, समाजसेवी डा. शशिशेखर सम्राट, ब्रह्मामण महासभा क अध्‍यक्ष डा.रमण झा, जिला कबड्डी संघ क सचिव मनोरंजन सिंह, जिला क्रिकेट संघ क सचिव श्री रोशन शिंह धोनी, श्री मुक्तेश्वर मुकेश, मधेपुरा टाइम्स क संपादक श्री राकेश सिंह, सहरसा ग्रुप क संस्थापक कुमार रविशंकर आदि संयुक्‍त रूप स दीप प्रज्जवित कए क केलक । एहि  क उपरांत मिथिला संस्कृति क अनुरूप सभटा गणमान्य व्यक्ती कए पाग-चादर स सम्मानित कैल गेल ।

उद्घाटन भाषण में डा.आलोक रंजन, किशोर कुमार मुन्ना, राकेश सिंह,  कुमार रविशंकर, आ साकेत आनंद सोशल मिडिया क महत्‍व पर प्रकाश देलथि‍ आ एकर सकारात्‍मक आ नकारात्‍क पहलु स अवगत करेलथि‍ ।

समारोह क दोसर सत्र मे सेमिनार क आयोजन भेल जाहि मे ‘’बदहाल शिक्षा, बदलता सहरसा’’ विषय वक्‍ता अपन विचार राखलथि‍ ।‍ प्रगति क्लासेज,  सहरसा क निदेशक श्री चंदन कुमार, एम्बीशन कैरियर जंक्शन क निदेशक श्री संदीप कश्यप, एलकेमिक क्लासेज क निदेशक नितेश रंजन,  समिधा ग्रुप मधेपुरा क चेयरमेन श्री संदीप शांडिल्य, करतार कोंचिंग, सहरसा क श्री राजेश किशोर, डा. के.एस.ओझा,  श्री विक्रमादित्य खां,  डा. रेणु सिंह,  श्री प्रभाकर तिवारी आदि वक्ताओं अपन वकत्‍वय स संबोधित केलथि‍ । सभटा वक्ता सहरसा कए सुंदर सहरसा, शिक्षित सहरसा क दिशा मे एक संग मिलिकए काज करबा आ शिक्षा स जुड़ल व्यक्ति‍ वा संस्थान कए सम्मान देबाक बात पर बल देलथि‍ ।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

सेमिनार में ईस्ट एंड वेस्ट टीचर्स ट्रेनिंग इंस्टिट्यूट क चेयरमैन डा.रजनीश रंजन अपन गप वीडियो मैसेज स राखलथि‍, अपन विडियो मैसैज ओ कहला जे सहरसा मे एकटा विश्वविद्दालय क निर्माण हुनकर सपना अछि आ एहि लेल आमजन आ शिक्षा स जुड़ल व्यक्तित्‍व का सहयोग माँगलथि‍ । समारोह मे साहित्य अकादमी से सम्मानित डा.शेफालिका वर्मा आ सहरसा क पूर्व सदर एस.डी.ओ. श्री सौरभ जोरवाल क शुभकामना सन्देश सेहो वीडियो मैसेज स भेटल आ सबकए सुनाओल गेल ।

समारोह मे शशि सरोजिनी रंगमंच संस्थान क कलाकारों दिस स लोकगीत आ लोकनृत्य क मनमोहक प्रस्तुति कैल गेल जे बेस सराहनीय रहल । ओतहि मैलोरंग क राजीव रंजन झा द्वारा निर्देशि‍त, आ  उमाशंकर सिंह कृत “मत रो मेरे पापा” क एकल नाटकक प्रस्तुति समारोह कए यादगार बना देलक  । दर्शक निरंतर बजैत थोपड़ी एहि नाटक क सफलता क कहानी अपने कहि देलक । संगे यू.ट्यूब पर अपन विडियो स चर्चित रहनिहार श्री बिभुनंदन सिंह सेहो अपन अभिनय क प्रस्तुति आ नाना पाटेकर आ अमिताभ बच्चन क मिमीक्री स खूब थोपड़ी बटोरलक ।

समारोह क अगि‍ला सत्र मे कवि सम्मेलन क आयोजन भेल जाहि मे कैलाश झा किंकर, सियाराम यादव मयंक, शेखर सावंत, स्वाति शाकम्भरी सुमेन शेखर आजाद,  मुक्‍तेश्वर सिंह मुकेश, आनंद झा, अरविंद मिश्र नीरज आदि कवि‍ अपन कविता पाठ केलथि‍ ।

समारोह क अंतिम चरण मे सहरसा ग्रुप क दिस स रमेश झा महिला महाविद्दालय, क प्रिसीपल डा.रेणु सिंह, सदर एस.डी.पी.ओ. श्री प्रभाकर तिवारी,  पूर्व विधायक डा.आलोक रंजन,  पूर्व विधायक श्री किशोर कुमार मुन्ना, समिधा ग्रुप क चेयरमेन श्री संदीप शांडिल्य, प्रगति क्लासेज, सहरसा क निदेशक श्री चंदन कुमार, एम्बीशन कैरियर जंक्शन क निदेशक श्री संदीप कश्यप,  एलकेमिक क्लासेज क निदेशक नितेश रंजन ,करतार कोंचिंग, सहरसा क श्री राजेश किशोर, शशि सरोजिनी रंगमंच संस्थान क कुंदन वर्मा, पंख क सी.ई.ओ. श्री बिभु नंदन सिंह,  मैलोरंग क कलाकार, राजीवरंजन झा, फोटो जर्नलिस्ट विपिन कुमार सिंह वा सभटा कवि कए स्मृति चिन्ह भेंट कए सम्मानित कैल गेल । समारोह मे आजाद युवा विचार मंचक सदस्य कए सेहो सम्मानित कैल गेल ।

समारोह के संबंध मे संयोजक कुमार रविशंकर बतेलथि‍ जे एहि मिलन समारोह क उद्देश्य फेसबुक पर बनल मित्र कए सोझा स भेंट-घॉंट करबाक एकटा मंच तैयार करब अछि । समारोह मे डा.रजनीश रंजन, अमरज्योति जयसवाल, शशि शेखर सम्राट, संदीप कश्यप, मोहनीस रंजन, नंदन कुमार, पंकज कुमार, मोनू झा, राहुल कुमार, सुनील कुमार झा, आदि का विशेष योगदान रहल । समारोह मे विभिन्न संगटनों क सेहो भागीदारी रहल । एहि अवसर पर दर्शक दीर्घा में मुख्‍य रूप स डा.रामनरेश सिंह, कुमार विक्रमादित्य, दीपक कुमार,  नंदन कुमार सहित कैक टा सोशल मिडिया एक्टीविस्ट सेहो उपस्थित छलाह ।

समारोह क संचालन श्री आनंद झा केलथि‍ ओतहि धन्यवाद ज्ञापन सोमू आनंद अपन चिर परिचित अंदाज में केलथि‍ ।

Tags: FacebooksaharsaSocial Media GroupSocial Meet
Share84TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post
Esamaad Epaper Website

२०१७ क नेपाली विद्यापति मैथिली पुरस्कार रोशन जनकपुरी कए

बिहार मे भारत क पहि‍ल बाल समाचार सेवा शुरू

भव्य आ विशाल होएत महाराजा लक्ष्मीश्वर सिंह संग्रहालयक नव भवन

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

by संपादक
January 15, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि