• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

दोसर मिथि‍ला रंग महोत्सव लेल दरभंगा तैयार

June 22, 2016
in समाचार
A A

Mailorang

दरभंगा । मिथि‍लाक हृदयस्‍थली आ बिहारक सांस्‍कृतिक राजधानी दरभंगा मे एहि बेर मिथि‍ला आ देशक अग्रणी मैथि‍ली रंग संस्‍था ‘मैलोरंग’ अपन दोसर मिथि‍ला रंग महोत्‍सव लए कए आबि रहल अछि । ललित नारायण मिथि‍ला विश्‍वविद्यालय क संगीत आ नाटक विभाग मे दिनांक 24 जून स 26 तक होए बला एहि प्रोग्राम मे देशक कैकटा नाटक युनिट भाग लए रहल अछि । एहि मे मैलोरंग रेपर्टरी(दिल्‍ली), कलर व्‍हील (दिल्‍ली), थियेटर युनिट (दरभंगा), मिथि‍ला नाट्य संस्‍थान (मधुबनी), आ संगीत एवं नाट्य विभाग (दरभंगा) प्रमुख अछि । पहिल दिन उद्धाटन सत्र क उपरांत मैलोरंग रेपर्टरी दिस स ‘’आब मानि जाउ’’ क मंचन होएत । ओतहि दोसर दिन कलर व्‍हील दिस स ‘’समदिया’’ आ थि‍येटर युनिट दिस स ‘’जा घर जारे आपना’’ क मंचन होएत । तेसर आ अंतिम दिन मिथि‍ला नाट्य संस्‍थान ‘’बज्‍जर खसो एहन जाति पर’’ आ स्‍नातकोत्‍तर संगीत एवं नाट्य विभाग दिस से ”काठक लोक” कए मंचन होएत ।

ज्ञात होए कि मैथिली लोक नाटक कए आगाँँ बढ़ेबा क लेल पिछला किछुु साल से मैलोरंग मिथिला रंग महोत्सव क आयोजन कए रहल छथि‍ । पिछला बेर ई आयोजन मधुबनी मे भेल छल, जाहि मे राष्ट्रीय नाट्य विद्यालय सहित आन नाट्य विद्यालय क जानल मानल निर्देशक क नाटक देखबा क सौभाग्य भेटल छल। एहि बेर इ रंग महोत्सव दरभंगा मे हुए जा रहल अछि, जाहि मे पिछला साल जेंका इहो साल सेहो कैकटा नामचीन नाट्य निर्देशकक नाटक प्रस्तुति होएत।

मैथिली रंगकर्म, लोककला, भाषा, साहित्य आओर संस्कृति क विकासक लेल राष्ट्रीय स्तर पर सक्रिय संस्था मैथिली लोक रंग (मैलोरंग) क स्थापना 2005 मे कैल गेल अछि । मैलोरंग दिस स हरेक साल दिल्ली मे नाटक, महोत्सव, मैथिलोत्सव, वैचारिक संगोष्ठी आदि क आयोजन कैल जाएत अछि । विद्यापति रचित मैथिली नाटक ‘मणिमंजरी’ आ प्रथम आधुनिक मैथिली नाटक ‘सुन्दर संयोग’ (लेखक : पं. जीवन झा) क प्रथम मंचन क श्रेय सेहो मैलोरंग रेपर्टरी कए जाएत अछि ।

कोनो एकटा नाटककार पर केन्द्रित अनूठा नाट्य महोत्सव मलंगिया नाट्य महोत्सव का पाँच दिवसीय आयोजन सेहो मैलोरंगे क खाते मे अछि । अखैन धरि लगभग बीसटा नाटक क पचास स बेसी नाट्य प्रस्तुति कए देश भर मे चिर परिचित नाम बना चुकल अछि ।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

मैथिली लोक रंग दिस स महिला रंगकर्मी क लेल रंगकर्मी प्रमिला झा सम्मान, सक्रिय योगदान क लेल रंगकर्मी श्रीकांत मंडल सम्मान आ मैथिली रंगमंच मे जीवन पर्यंत समर्पण क लेल ज्योतिरीश्वर सम्मान क संचालन हरेक साल कैल जाएत अछि । मैलोरंग क सक्रियता कए देखैत साल 2011 स संस्कृति मंत्रालय, भारत सरकार दिस स मैथिली भाषा मे पहिल रंगमंडल क रूप मे मान्यता प्रदान कैल गेल अछि । संगे मैलोरंग क आयोजन क गरिमा बढ़ेबा क लेल नेपाल क राष्ट्रपति श्री रामवरण यादव जी सेहो पधारि‍ चुकल अछि ।

Tags: Kathak Lokmailorang

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

पांचटा नव मेडिकल कॉलेज लेल 400 करोड निर्गत

बेरोजगार छी त आब भेटत भत्ता

गांधी सेतु लेल 1742.01 त नवका पुल लेल भेटल छह हजार करोड़

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि