धरोहर कए बचेबाक क लेल चाहि अपन नायक : राजेश रंजन
दरभंगा जक्शन पर लागत रेलवे क इतिहास स जुडल तस्वीर : डीआरएम
दरभंगा का आधारभूत संरचना सबसे पैघ धरोहर : सरावगी
चौरंगी पर हैरिटेज फोटोग्राफर संतोष कुमार क दरभंगा मे पहिल फोटो प्रदर्शनी क आयोजन
दरभंगा । मधेपुरा क सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव कहलथि जे मिथिला क धरोहर गौरवशाली छल, मुदा वर्तमान अंधकार मे अछि आओर निराशा पैदा करैत अछि । मिथिला क लेल इतिहास देखबा आओर कहबा से बेसी जरुरी अछि, मिथिला मे एहन समाज क निर्माण, जे ई चीज कए बुझि सकय और अपन एहन नायक चुनि सकय जे पटना आओर दिल्ली तक आवाज पहुंचा सकय । ओ कहलथि जे एकरा बचेबा क लेल मिथिला कए नब नायक क जरुरत अछि । श्री यादव आय दरभंगा क कामेश्वरनगर स्थित चौरंगी पर इसमाद क बैनर तले आम लोग मे धरोहर क प्रति जागरुकता पैदा करबाक क लेल प्रसिद्ध हैरिटेज फोटोग्राफर संतोष कुमार क तस्वीरों क उदघाटन क मौके पर बाजि रहल छल।
कार्यक्रम क विशिष्ठ अतिथि क रूप मे उपस्थित उपस्थित मधेपुरा क सांसद कहलथि जे बिना मिथिला क सहयोग से बिहार मे कोनो सरकार नहि बनल, मुदा राजनीतिक अचेतना क कारण एतय नेतृत्व क निर्माण नहि भए सकल । ओ कहलथि जे दरभंगा ज्ञान क भूमि अछि । तक्षशीला जखन अवसान पर छल, त दरभंगे धर्म आओर राजनीति कए संरक्षित करबाक क काज केने छल । आध्यात्म आओर ज्ञान क एहि भूमि कए फेर से जीवंत करबाक क लेल एकटा नैतिक मूल्य बला समाज क जरुरत अछि जे आय हमरा सोझा नहि दिखा रहल अछि । पप्पू यादव कहलथि जे गरीब आओर गरीब भए रहल अछि । धरोहर क प्रति हुनका मोन मे सम्मान अछि, मुदा जीवन क झंझवात हुनका एहि सब चीज पर सोचबा का समय नहि दैत अछि । आय मिथिला क समाज मजदूर क समाज बनि गेल अछि । ज्ञान क पलायन भए रहल अछि । युवा वर्ग भटक गेल अछि । एहि मे एहि धरोहर क प्रति चिंता अगर किछु लोग कए रहल अछि त ई प्रयास नीक अछि, मुदा हम केवल ई प्रयास स बहुत बेसी आशा नहि पालि सकब । जों इन धरोहर कए सही मायना मे हमरा बचेबाक अछि त समाजक हरेक आदमी क अंदर जे जीवन जीबाक क लेल संघर्ष अछि ओकरा खत्म करब होएत, समाज तखने एहि सब चीज कए देखबा क समय निकाल पाएत । पप्पू यादव डीआरएम क सोझे अगले किछु दिन कए अंदर जयनगर से पाटलिपुत्र क लेल सीधा ट्रेन चलेबाक घोषणा केलथि ।
दरभंगा क युवा विधायक आओर कार्यक्रम मे गण्यमान्य अतिथि संजय सरावगी कहलथि जे हमर इलाका क धरोहर क स्थिति दयनीय अछि आओर संरक्षण क जरुरत अछि । सरावगी कहलथि जे निश्चित रूप स दरभंगा राज क समय जे आधारभूत संरचना शहर कए भेटल ओ हमरा सबहक लेल अनमोल अछि । दरभंगा क प्रति जे एतय क लोगक प्यार हेबाक चाही ओ नहि देखाबैत अछि । शहर क सूरत बचेबाक लेल हम सबकए एक संग आगू आबए होएत आओर योजना कए बेहतर तरीका से लागू कए क हम एकरा संरक्षित कए सकब ।
मधुबनी के विधायक समीर महासेठ कहलथि जे सडक आओर नाला क लेल केवल चिंता करबा से शहर ऑंगा नहि बढ़ि सकैत अछि एहि क लेल एकटा समेकित विकास क जरुरत अछि । विभिन्न विभाग कए बैसिकए एक संग शहर क विकास लेल योजना तैयार करय होएत । ओ मिथिला क इतिहास कए गौरवशाली बताबैत कहलथि जे हम एकरा बचाईए कए नव निर्माण कए सकैत छी ।
समस्तीपुर रेल मंडल के डीआरएम आरके जैन कहलथि जे आजुक प्रदर्शनी मे प्रस्तुत रेल क इतिहास देखिकए दरभगा क महत्ता बुझाओल । ओ कहलथि जे रेल मंत्रालय कए ओ एतिहासिक नरगौना टर्मिनल क संरक्षण क लेल प्रस्ताव भेजत । संगे ओ दरभंगा जक्शन पर रेलवे क इतिहास स संबंधित तस्वीर कए लगेबाक घोषणा सेहो केलथि ।
समारोह मे बनैली राज परिवार स बाबू चिन्मयानंद सिंह कहलथि जे दरभंगा क पूर्णिया से बड्ड पुरान रिश्ता अछि आओर ई तस्वीर ओहि रिश्ता कए एकटा नब आयाम दए रहल अछि ।
दरभंगा क मेयर वैजयंती खेडिय़ा कहलथि जे मेयर क रूप मे दरभंगा क लिए जे बनि सकत उ करबाक लेल तैयार छी । ओ कहलथि जे निगम अगर सक्षम भेल त अहमदाबाद नगर निगम जेंका दरभगा मे सेहो अलग से हैरिटेज सेल बनेबा पर विचार कैल जा सकैत अछि । ओ कहलथि जे युवा सब मिलिकए जे आय एहि प्रदर्शनी क माध्यम से दरभंगा कए लोग कए तस्वीर देखेने अछि ओहि स निश्चित रूप स शहर कए लोग धरोहर क प्रति सचेत और जागरुक होएत । कार्यक्रम मे आयल अतिथी क स्वागत आशीष झा आओर धन्यवाद ज्ञापन संतोष कुमार केलथि ।