• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

तस्वीर मे देखाओल गेल दरभंगा क तीन सौ सालक इतिहास

August 7, 2017
in समाचार
A A

धरोहर कए बचेबाक क लेल चाहि अपन नायक : राजेश रंजन

दरभंगा जक्शन पर लागत रेलवे क इतिहास स जुडल तस्वीर : डीआरएम

दरभंगा का आधारभूत संरचना सबसे पैघ धरोहर : सरावगी

चौरंगी पर हैरिटेज फोटोग्राफर संतोष कुमार क दरभंगा मे पहि‍ल फोटो प्रदर्शनी क आयोजन

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

दरभंगा । मधेपुरा क सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव कहलथि‍ जे मिथिला क धरोहर गौरवशाली छल, मुदा वर्तमान अंधकार मे अछि आओर निराशा पैदा करैत अछि । मिथिला क लेल इतिहास देखबा आओर कहबा से बेसी जरुरी अछि, मिथिला मे एहन समाज क निर्माण, जे ई चीज कए बुझि‍ सकय और अपन एहन नायक चुनि‍ सकय जे पटना आओर दिल्ली तक आवाज पहुंचा सकय । ओ कहलथि‍ जे एकरा बचेबा क लेल मिथिला कए नब नायक क जरुरत अछि । श्री यादव आय दरभंगा क कामेश्वरनगर स्थित चौरंगी पर इसमाद क बैनर तले आम लोग मे धरोहर क प्रति जागरुकता पैदा करबाक क लेल प्रसिद्ध हैरिटेज फोटोग्राफर संतोष कुमार क तस्वीरों क उदघाटन क मौके पर बाजि रहल छल।

कार्यक्रम क विशिष्ठ अतिथि क रूप मे उपस्थित उपस्थित मधेपुरा क सांसद कहलथि‍ जे बिना मिथिला क सहयोग से बिहार मे कोनो सरकार नहि‍ बनल, मुदा राजनीतिक अचेतना क कारण एतय नेतृत्व क निर्माण नहि‍ भए सकल । ओ कहलथि‍ जे दरभंगा ज्ञान क भूमि अछि । तक्षशीला जखन अवसान पर छल, त दरभंगे धर्म आओर राजनीति कए संरक्षित करबाक क काज केने छल । आध्यात्म आओर ज्ञान क एहि भूमि कए फेर से जीवंत करबाक क लेल एकटा नैतिक मूल्य बला समाज क जरुरत अछि जे आय हमरा सोझा नहि दिखा रहल अछि । पप्पू यादव कहलथि‍ जे गरीब आओर गरीब भए रहल अछि । धरोहर क प्रति हुनका मोन मे सम्मान अछि, मुदा जीवन क झंझवात हुनका एहि सब चीज पर सोचबा का समय नहि दैत अछि । आय मिथिला क समाज मजदूर क समाज बनि‍ गेल अछि । ज्ञान क पलायन भए रहल अछि । युवा वर्ग भटक गेल अछि । एहि मे एहि धरोहर क प्रति चिंता अगर कि‍छु लोग कए रहल अछि त ई प्रयास नीक अछि, मुदा हम केवल ई प्रयास स बहुत बेसी आशा नहि‍ पालि‍ सकब । जों इन धरोहर कए सही मायना मे हमरा बचेबाक अछि त समाजक हरेक आदमी क अंदर जे जीवन जीबाक क लेल संघर्ष अछि ओकरा खत्म करब होएत, समाज तखने एहि सब चीज कए देखबा क समय निकाल पाएत । पप्पू यादव डीआरएम क सोझे अगले किछु दिन कए अंदर जयनगर से पाटलिपुत्र क लेल सीधा ट्रेन चलेबाक घोषणा केलथि‍ ।

दरभंगा क युवा विधायक आओर कार्यक्रम मे गण्यमान्य अतिथि संजय सरावगी कहलथि‍ जे हमर इलाका क धरोहर क स्थिति दयनीय अछि आओर संरक्षण क जरुरत अछि । सरावगी कहलथि‍ जे निश्चित रूप स दरभंगा राज क समय जे आधारभूत संरचना शहर कए भेटल ओ हमरा सबहक लेल अनमोल अछि । दरभंगा क प्रति जे एतय क लोगक प्यार हेबाक चाही ओ नहि‍ देखाबैत अछि । शहर क सूरत बचेबाक लेल हम सबकए एक संग आगू आबए होएत आओर योजना कए बेहतर तरीका से लागू कए क हम एकरा संरक्षि‍त कए सकब ।

मधुबनी के विधायक समीर महासेठ कहलथि‍ जे सडक आओर नाला क लेल केवल चिंता करबा से शहर ऑंगा नहि बढ़ि‍  सकैत अछि एहि क लेल एकटा समेकित विकास क जरुरत अछि । विभिन्न विभाग कए बैसिकए एक संग शहर क विकास लेल योजना तैयार करय होएत । ओ मिथिला क इतिहास कए गौरवशाली बताबैत कहलथि जे हम एकरा बचाईए कए नव निर्माण कए सकैत छी ।

समस्तीपुर रेल मंडल के डीआरएम आरके जैन कहलथि‍ जे आजुक प्रदर्शनी मे प्रस्तुत रेल क इतिहास देखि‍कए दरभगा क महत्ता बुझाओल । ओ कहलथि‍ जे रेल मंत्रालय कए ओ एतिहासिक नरगौना टर्मिनल क संरक्षण क लेल प्रस्ताव भेजत । संगे ओ दरभंगा जक्शन पर रेलवे क इतिहास स संबंधित तस्वीर कए लगेबाक घोषणा सेहो केलथि‍ ।

समारोह मे बनैली राज परिवार स बाबू चिन्मयानंद सिंह कहलथि‍ जे दरभंगा क पूर्णिया से बड्ड पुरान रिश्ता अछि आओर ई तस्वीर ओहि रिश्ता कए एकटा नब आयाम दए रहल अछि ।

दरभंगा क मेयर वैजयंती खेडिय़ा कहलथि‍ जे मेयर क रूप मे दरभंगा क लिए जे बनि‍ सकत उ करबाक लेल तैयार छी । ओ कहलथि‍ जे निगम अगर सक्षम भेल त अहमदाबाद नगर निगम जेंका दरभगा मे सेहो अलग से हैरिटेज सेल बनेबा पर विचार कैल जा सकैत अछि । ओ कहलथि‍ जे युवा सब मिलिकए जे आय एहि प्रदर्शनी क माध्यम से दरभंगा कए लोग कए तस्‍वीर देखेने अछि ओहि स निश्चित रूप स शहर कए लोग धरोहर क प्रति सचेत और जागरुक होएत । कार्यक्रम मे आयल अतिथी क स्वागत आशीष झा आओर धन्यवाद ज्ञापन संतोष कुमार केलथि‍ ।

Tags: darbhangaPappu YadavSanjay SaragwiSantosh

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

कम भ गेल सरकारी क्षेत्र मे नौकरी क अवसर

तेलंगानाक हैदराबाद जेकां नहि भेल मिथिलाक दरभंगा क संरक्षण

मिथिला क विकास बिना बिहार क विकास संभव नहि - नीतीश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि