पटना। प्रोन्नति क राह देखनिहार स्नातक शिक्षक क इंतजार क घड़ी समाप्त हेबाकअछि। सरकार एहि माह क अंत तक 32 हजार रिक्त पद कए प्रोन्नति क माध्यम स भरबाक निर्णय केलक अछि। एहि मे प्रधानाध्यापक क पद सेहो अछि। प्रथम चरण मे नियोजित प्राथमिक शिक्षक क प्रमाण पत्र क सेहो जांच होएत। मानव संसाधन विकास विभाग क सभागार मे भेल जिला शिक्षा अधीक्षक क राज्यस्तरीय समीक्षा बैठक मे एकर निर्णय कएल गेल। बैठक क अध्यक्षता विभाग क प्रधान सचिव अंजनी कुमार सिंह केलथि। एहि दौरान पाएल गेल जे 37 टा जिला मे शत प्रतिशत औपबंधिक वरीयता सूची प्रकाशन क काज भ चुकल अछि, मुदा आपत्ति क निराकरण क बाद ओहि मे 30 टा जिला अंतिम सूची जारी केलक अछि। लिहाजा संबंधित जिला कए यथाशीघ्र काज पूरा करबाक आ डीएसई कए निर्देश देल गेल जे ओ तारीख निर्धारित करि एहि माह प्रोन्नति क कार्रवाई कए पूरा करै। बैठक क निर्णय क जानकारी देएत प्राथमिक शिक्षा उपनिदेशक आरएस सिंह कहलथि जे जाहि जिला मे चयनित प्राथमिक शिक्षक अभ्यर्थी क प्रमाणपत्र क सत्यापन क काज पूरा नहि भेल अछि, ओ एकरा यथाशीघ्र पूरा करि लेल जाए। पोशाक योजना क समीक्षा क क्रम मे सब टा डीएसई कए निर्देश देल गेल अछि जे चूंकि 26 जनवरी क पूर्व राशि क भुगतान करबाक अछि, लिहाजा ओ लाभान्वित छात्र-छात्रा क सूची बना ली। ओकरा विभाग क वेबसाइट पर डालल जाएत।