आजाद भारत मे भेल सबस लंबा सुनवाई, छल पहिल राजनीतिक हत्या ।
नयी दिल्ली । उन्तालिस साल पहिने भेल पूर्व केंद्रीय रेल मंत्रीनारायण मिश्र हत्याकांड मामला मे कड़कड़डूमा कोर्ट फैसला सुरक्षित राखि लेलक अछि । जिला जज विनोद गोयल कहला, दूनू पक्ष कए अगर किछु कहबाक अछि त ओ हफ्ता क भीतर अपनअपन लिखित दलील हुनका द सकैत छथि । कोर्ट संभवत: 10 नवंबर कए फैसला सुना देत ।
ज्ञात होए जे दू जनवरी 1975 कए बिहार क समस्तीपुर रेलवे स्टेशन क 4 नंबर प्लेटफार्म पर आयोजित समारोह मे भेल बम ब्लास्ट मे पूर्व रेल मंत्री आ दरभंगा क तत्कालीन सांसद एल एन मिश्र गंभीर रूप स घायल भए गेल छलाह । अगिला दिन हुनकर मौत भ गेल । दू सौ स बेसी गवाही एहि मामला मे भ चूकल अछि । मुख्य आरोपी आनंदमार्गी म संतोषानंद अवधूत, सुदेवानंदा अवधूत, रंजन द्विवेदी आ गोपालजी छथि । आरोपी अपन बचाव मे 40 टा गवाह कए अदालत मे पेश केलथि । एकर चार्जशीट सीबीआइ पटना मे एक नवंबर, 1977 कए दायर केने छल । सुप्रीम कोर्ट एहि मामला कए 1979 मे बिहार स दिल्ली क अदालत मे स्थानंतरित क देलक । आरोपी दर्ज एफआइआर कए रद्द करबाक मांग सुप्रीम कोर्ट स केने छलाह जेकरा कोर्ट 17 अगस्त 2012 कए खारिज कए देने छल । गौरतलब अछि जे सुप्रीम कोर्ट एहि मामला कए जल्द निपटारा करबाक लेल एकर रोज सुनवाई करबाक आदेश जारी केने छल । सितंबर 2012 मे एकर सुनवाई कड़कड़डूमा कोर्ट मे शुरु कैल गेल छल ।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
jatek prasansa kari tatbe kam bujhna jait achhi, bahut ras subhkamna
AFAICT you’ve coreevd all the bases with this answer!