• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

पांचटा नव मेडिकल कॉलेज लेल 400 करोड निर्गत

June 22, 2016
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

सीतामढी, मधुबनी, बेगूसराय, वैशाली आ आरा कए भेल चयन

पटना । बिहार मे पांच टा नव मेडिकल कॉलेज खुलत ।  पांच मे स चारिटा मेडिकल कॉलेज उत्तर बिहार मे, जखनकि एकटा दक्षिण बिहार मे खुलत। सूत्र स भेटल जानकारी क अनुसार सीतामढी, मधुबनी, बेगूसराय, वैशाली आ आरा मे इ मेडिकल कॉलेज खुलत। सरकार संबंधित जिला मुख्यालय मे 20 एकड जमीन तकबा लेल जिलाधिकारी कए कहलक अछि। गौरतलब अछि जे वैशाली क महुआ मे 20 एकड जमीनक चयन क लेल गेल अछि, जखन कि आन ठाम लेल जमीनक चयन करबाक प्रक्रिया शुरु भ गेल अछि। उम्मीद कैल जा रहल अछि जे 2020 तक  सबटा मेडिकल कॉलेज जमीन पर उतरि जायत। मंगलदिन स्वास्थ्य विभाग मे एकरा पर एकटा खास बैसार भेल आ निर्णय लेल गेल जे एहि योजना कए समय पर पूरा कैल जाये। फिलहाल पांच टा कॉलेज कए जमीन पर उतारबा लेल 400 करोड टका आवंटित कैल गेल अछि। विभाग क कहब अछि जे अगर जिला मुख्यालय लग अपन 20 एकड जमीन नहि रहत त रैयती जमीन सरकार लीज पर लैत, ताहि लेल एखन इ राशिक आवंटन कैल गेल अछि। उल्लेखनीय अछि जे तिरहुत रियासत क जमाना मे केवल दरभंगा मे मेडिकल कॉलेज व अस्पताल छल, बाद में भागलपुर, मुजफ्फरपुर, आ मधेपुरा मे खुलल। चारिटा आओर नव मेडिकल कॉलेज भेला स एहि क्षेत्र मे इ इलाका काफी समृद्ध भ जाएत।

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन सात निश्चय मे पांचटा मेडिकल कॉलेज खोलबाक शपथ लेने छलाह। पिछला छह माह स एकर बाट ताकल जा रहल छल। ओना राष्ट्रीय मानक क अनुसार बिहार मे 21टा आओर मेडिकल कॉलेज क जरुरत अछि, खास क चंपारण आ सारण क क्षेत्र मे एकर जरुरत एखनो अछि। एखन राज्य मे आठटा सरकारी मेडिकल कॉलेज अछि। तीनटा निजी क्षेत्र क मेडिकल कॉलेज अछि, जखन कि एम्स सन दूटा संस्थान अछि। बाकी बिहटा, मधेपुरा मे भवन तैयार भ रहल अछि। पूर्णिया, छपरा आ समस्तीपुर मे सेहो जमीन ताकल जा रहल अछि।

Tags: madhubaniMedical Collegesitamadhi

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

बेरोजगार छी त आब भेटत भत्ता

गांधी सेतु लेल 1742.01 त नवका पुल लेल भेटल छह हजार करोड़

आब मानि जाउ कए मानि गेल दरभंगा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि