• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home समाचार

आब मानि जाउ कए मानि गेल दरभंगा

June 26, 2016
in समाचार
A A
37
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

मैलोरंगक त्रिदिवसीय मिथिला रंग महोत्सव शुरु

रोशन कुमार मैथिल

Aab Mani Jauदरभंगा । दरभंगाक एतिहासिक कामेश्वरनगर स्थित ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक नाट्य एवं संगीत विभागक सभागार शुक्रक सांझ खचाखच भरि गेल छल। दरभंगा क एक सं एक दिग्गज लोकनि अपन अपन उपस्थिति दर्ज करा रहल छला। अवसर छल मैलोरंग द्वारा आयोजित त्रीदिवसीय मिथिला रंग महोत्सवक। ध्वनी औरप्रकाश क मध्यम उपस्थिति स समय आरम्भ भेल मैथिलीक सबसे लोकप्रिय निर्देशक प्रकाश झाक निर्देशन में नाटक आब मानि जाउ क मंचन।

पहिल दिनक नाटक आबि मानि जाउ दर्शक लोकनिकें बड़ नीक लागल। परिणाम स्वरूप सभागार बेर बेर थपरीसं गुंजायमान होइत रहल। सभागार मे ध्वनी व्यवस्था कमजोर छल आ प्रकाश व्यवस्था मे सेहो किछु ठाम त्रुटि देखल गेल, मुदा निर्देशन क मामला मे नाटक अदभुत कहल जा सकैत अछि। प्रकाश झा आब मैथिली रंगमंच पर अपन लकीर अपने नापी रहल छथि। मुख्य भूमिका में सोनिया झा, मुकेश झा आ मनोज शांडिल्य नीक अभिनय केलनि। सोनिया खास कए बुच्चिया क चरित्र कए जीवंत क देलथि।

दलित समाजमे नारीपर भ रहल अत्याचार पर केंद्रीत एहि नाटकक कहानी एक तरहे अवैध प्रेम प्रसंगक छल। जाहिमे एकटा संपन्न कुलक विवाहित युवक एकटा कुमारि दलित युवतीसं प्रेम करैत अछि आ ओकरा संग दैहिक संबंध बनबैत अछि। परिणामस्वरूप ओ गर्भवती भ जाइत अछि। एकरा बाद युवक द्वारा लड़कीकें बच्चा खसेबा लेल कहल जाइत अछि। एहि लेल लड़की किन्नहु तैयार नहि होइत अछि आ ओहि भोगी युवककें त्यागि दैत अछि। एहिसं पूवज़् एकटा दबंग गरीब हितैषी द्वारा दलित युवतीक विवाह लेल एकटा लड़काकें जबरन पकरि क आनल जाइत अछि विवाह लेल, मुदा ओ भागबामे सफल भ जाइत अछि। ओमहर संपन्न कुलक युवकक पत्नीकें जखन ज्ञात होइत अछि जे ओकर पतिक बच्चा बुच्चिया नामक दलित लड़कीक पेटमे अछि त ओ पति संग प्रतिकार करैत अछि। आपसी विवादमे ओकर मृत्यु भ जाइत अछि। तखन ओहि युवकक बाप बुच्चियासं अपन बेटाक विवाह करए लेल तैयार होइत अछि, जकरा बुच्चिया नकारि दैत अछि।

दोसरसमाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021

एहि स पूर्व निश्चित समय पर कामेश्वरसिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय केर कुलपति डा देवनारायण झा, विधायक संजय सरावगी सहित अन्य गण्यमान्य अतिथि गण कार्यक्रमक विधिवत शुभारंभ केलनि। एहि अवसर पर कुलपति श्री झा कहलनि जे मिथिलाक रंग मंच परंपरा काफी पुरान अछि आ एहि तरहक प्रयास अगर सतत जारी रहै त एक दिन विश्वमंच पर मिथिलाक रंगमंच अपन उपस्थिति दर्ज करत। पहिने हिंदी फेर मैथिली मे देल गेल अपन संबोधन मे विधायक श्री सरावगी कहला जे दरभंगा मे रंगमंच क इतिहास त बहुत समृद्ध अछि मुदा एहि लेल नीक सभागार उपलब्ध नहि। ओ कहला जे अगर हुनका लग कोनो प्रस्ताव आउत त अपन एच्छिक कोष स ओ सभागार क निर्माण करेबाक प्रयास करताह। एहि अवसर पर अभिनेता अनिल मिश्रा कें सम्मानित कएल गेल। नाटकक अंतमे प्रत्येक कलाकारक परिचय दर्शक लोकनिसं कराओल गेल।

Tags: Aab Mani Jaudarbhangamailorang
Share37TweetPin

Related Posts

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

June 10, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

June 8, 2021
दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

June 7, 2021
बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

June 6, 2021
बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

June 5, 2021
Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

June 5, 2021
Next Post

समाज में पसरल कुव्यवस्था् पर चोट देख खूब बाजल थोपरी

कनबैत संवदिया आ हसबैत चल गेल काठक लोक

रेल कारखाना लेल डालमियानगर मे शुरु भेल चहल-पहल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

Term Paper Writing Service

How to Repair Corrupted Internal Hard Disk without Formatting?

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

बेसी पढ़ल गेल

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

बिहार मे फेर बनए लागल विश्वस्तरीय मकान

by संपादक
March 11, 2011
0

Read more

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

by संपादक
January 15, 2018
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि