पटना । प्रदेश क 28टा शहर क विकास पर 425 करोड़ टका खर्च होएत। बिहार मे संवघ्र्द्धन नाम स संचालित इ योजना छह वर्ष मे पूरा होएत। नगर विकास विभाग आ डिपार्टमेंट फार इंटरनेशनल डेवलपमेंट (डीएफआईडी) क संयुक्त तत्वावधान मे संचालित एहि कार्यक्रम क शुभारंभ करैत उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे एहि योजना क मुख्य मकसद अर्बन गवर्नेस प्लानिंग, म्यूनिसिपल इंफ्रास्ट्रक्चर, स्थानीय आर्थिक विकास, शहरी गरीबी उन्मूलन आ प्रक्षेत्र क क्षमता विकास अछि। उप मुख्यमंत्री 13म वित्त आयोग क चर्चा करैत कहला जे तेरहम वित्त आयोग क सिफारिश पर नगर निकाय कए 545 करोड़ टकाक अनुदान भेटत। परफार्मेस ग्रांट क रूप मे सेहो 268 करोड़ भेट सकैत अछि, मुदा एकरा लेल आयोग नौटा शर्त क निर्धारण केने अछि। शर्त क अनुपालन क क्रम सरकार कए नगर निकाय क लेल पूरक बजट, अंकेक्षण सत्यापन क लेल तंत्र विकसित करए पडत। अनुदान प्राप्ति क लेल एहन स्वतंत्र संस्था क गठन सेहो करए पडत जे निकाय क प्रतिनिधि क खिलाफ भ्रष्टाचार क शिकायत भेटला पर ओकर खिलाफ आवश्यक कार्रवाई करि सकए। केन्द्र स राशि प्राप्त भेलाक पांच दिन क भीतर इलेक्ट्रानिक सिस्टम स संबंधित निकाय कए राशि आवंटित करबाक व्यवस्था करए पडत। संगहि सव निकाय द्वारा सम्पत्ति कर क निर्धारण आ एकर त्रुटिहीन वसूली क व्यवस्था क सेहो निर्देश अछि। आयोग सिवेज, ड्रेनेज, जलापूर्ति आ कचरा प्रबंधन क लेल सब साल क प्रारंभ मे मानक स्तर मानक-स्तर अधिसूचित करबा लेल कहलक अछि।