• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

653 करोड़ स बनत गाम-गाम सड़क

October 31, 2009
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

Road-construction_AV
पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार चार हजार किमी ग्रामीण पथ क निर्माण कार्य क शुभारंभ केलथि अछि। प्रधानमंत्री ग्रामीण सड़क योजना क एहि सड़क क निर्माण राज्य सरकार क ग्रामीण कार्य विभाग क अंतर्गत कार्यरत बिहार ग्रामीण पथ विकास एजेंसी द्वारा कराउल जा रहल अछि। सड़क निर्माण पर 653 करोड़ टका खर्च हेबाक अनुमान अछि, जाहि मे 200 करोड़ क राशि राज्य बजट स देल जाइत। जून 2010 तक तीन हजार किमी सड़क क निर्माण कार्य पूरा करि लेबाक लक्ष्य अछि। मुख्यमंत्री कहा जे हमरा हिसाब चाहि जे ग्रामीण सड़क पर केतबा रोलर चलि रहल अछि। मुख्यमंत्री कहला जे हमार इ महत्वाकांक्षा अछि जे बिहार क कोनो हिस्सा स पटना चारि स पांच घंटा क भीतर हर हाल मे पहुंचल जाए। एकरा लेल सरकार रोड सेक्टर मे खूब काज करि रहल अछि। एहि सोच क तहत राज्य सरकार एकटा महत्वपूर्ण फैसला इ लेलक अछि जे एनएच आ पीडब्ल्यूडी क सड़क कए छोडि़कए शेष सबटा सड़क क जवाबदेही आब ग्रामीण कार्य विभाग क होइत। बहुत एहन सड़क अछि जे मेंटेनेंस क अभाव मे खराब भ रहल अछि। आब सड़क क मेंटीनेंस क जिम्मा ग्रामीण कार्य विभाग कए द देल गेल अछि। प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजना, न्यूनतम आवश्यकता कार्यक्रम आ फेर नाबार्ड वित्त पोषित योजना क बाद जे सड़क बचि गेल अछि ओकर निर्माण कार्य क जिम्मा ग्रामीण कार्य विभाग क होयत। मुख्यमंत्री अवशेष सड़क निर्माण योजना बनेबाक गप केलथि।
मुख्यमंत्री कहला जे हमरा इ गिनती चाही जे केतबा रोड रोलर ग्रामीण सड़क पर चलि रहल अछि। तखने हम बुझब जे सड़क क निर्माण भ रहल अछि। लोक कए इ साफ देखेबाक चाही जे ओकर इलाका क सड़क नीक स बनि रहल अछि। एक दिन मे केतबा किमी सड़क बनल एकर ब्योरा सब दिन हमरा उपलब्ध हेबाक चाही। इ नीक गप अछि जे टेंडर मे आब कम समय लागि रहल अछि। मानिटरिंग क सेहो बेहतर तंत्र विकसित हेबाक चाही। मुख्यमंत्री क्वालिटी कंट्रोल क लेल सब जिला मे तकनीकी व्यवस्था शुरू करबाक गप कहलथि। कहला जे लोकक संतोष सबस पैघ पैमाना होइत अछि। गड़बड़ी कोनो कीमत पर बर्दाश्त नहि कैल जाइत।
मुख्यमंत्री ग्रामीण सड़क क लेल मेंटीनेंस पॉलिसी बनेबा पर विशेष जोर देलथि। डिफेक्ट लायबिलिटी क चर्चा करैत कहला जे ओ चाहैत छथि जे एकर अवधि पांच वर्ष क हो मुदा एकरा तीन वर्ष क लेल कैल गेल अछि। डिफेक्ट लायबिलिटी क तहत निर्माण क तीन वर्ष क भीतर सड़क टूटला पर ओकर पुनर्निर्माण ओहि कंपनी द्वारा कराउल जैत, जे ओकरा पहिने बनेने अछि।

Tags: bihar governmentpatnaनीतीश कुमारपटनामुख्यमंत्री

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

मिथिला क प्रगति क बिना बिहारक प्रगति असंभव : नीतीश

पटना मे तेसर रोजगार मेला शुरू, पांच लाख गोटे लेल 45 हजार नौकरी

आउ-पाउ -नौकरी-चाकरी

Comments 2

  1. sarikajha says:
    16 years ago

    Thank u. Pahil ber kono maithil etek nik jaka apan sambad mein e paper launch kelak. Hamra dis sa Hardik Subhkamna evam Badhai.

    Reply
  2. gnjha1970@gmail.com says:
    16 years ago

    Badhai, Hamra sab lel e atyant gauarab k vishay achi je apan samad mein ek ta apan dis ke apan bhasha mein internet ke madhayam se launch bhel ek ta akbhar, Hardik Badahi.

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि