• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad
Home चित्रालय

भ्रष्ट कुंवर क मकानक 62टा कोठली बनत क्लासरूम

December 12, 2010
in चित्रालय
A A
0
SHARES
Share on FacebookShare on Twitter

दोसरसमाचार

Esamaad Epaper Website

हंसी ठीठौली

July 30, 2018

फेर एक बेर नीतीश कुमार

November 20, 2015

वैवरेंट दरभंगा क सफल आयोजन

November 29, 2013

बीच बाट मे अस्त भेल अंशु कए श्रद्धांजलि

August 21, 2013


पटना। एक जमाना छल जखन मगध पर राज करबा लेल बख्तियार शिक्षाक आधारभूत संरचना कए ध्वस्त करि देने छल, आइ बख्तियारपुरक नीतीश कुमार बिहार पर राज करबा लेल भ्रष्ट अधिकारिक घर मे स्कूल खोली शिक्षाक लेल आधारभूत संरचना बढा रहल छथि। मगध पर राज करबाक अछि त जनता कए मूर्ख बना कए राखू, बख्तियार क एहि नीति कए अंगरेजी स ल कए लालू प्रसाद तक लागू करबा मे पाछु नहि रहलाह। मुदा नीतीश एहि नीति कए खत्म करबा लेल प्रयासरत छथि। एहि कडी मे पूर्व एमवीआई रघुवंश कुंवर क समस्तीपुर क मोहिउद्दीन नगर स्थित टांरा गाम क मकान आ राजधानी क पूर्वी चित्रगुप्त नगर (गांधी नगर) क मकान नंबर 50ए/1293 मे बहुत जल्द नौनिहाल शिक्षा ग्रहण करत। औरंगाबाद क पूर्व एमवीआई रघुवंश कुंवर क कारी कमाई स बनल एहि आलीशान भवन मे कुल मिला कए 50टा कोठली अछि, जे आब स्कूलक कक्षा बनत।
निगरानी क विशेष अदालत एक मास क भीतर एहि मकान समेत कुंवर क अन्य अवैध संपत्ति कए जिला प्रशासन कए सौंप दैत। पटना क मकान क संग-संग समस्तीपुर क मोहिउद्दीननगर प्रखण्ड स्थित हुनकर पैतृक गाम टौरा मे बनल हुनकर आलीशान भवन मे सेहो स्कूल खोलबाक तैयारी करि लेल गेल अछि। कुंवर क पटना स्थित भव्य मकान कए देखिकए हुनकर हैसियत क अनुमान आसानी स लगाउल जा सकैत अछि। करीब दू कट्ठा क भूखंड मे बनल एहि भवन मे दर्जन भरि कोठली अछि, जे सर्वसुविधा संपन्न अछि।
एकर ठीक सामने दू कट्ठा स बेसीक भूखंड खाली पड़ल छै, जेकर प्रयोग वाहन लगेबा लेल कैल जा रहल अछि। एहि खाली भूखंड क पश्चिमी छोर मे करीब आधा दर्जन एस्वेस्टस क कोठली बनल अछि जे फिलहाल खाली छै। आस-पड़ोस क मानी त कुंवर क लग मे तीनटा छोट गाड़ी अछि। कुंवर क पांचटा बेटी, जाहि मे स एकटाक विवाह भ चुकल अछि। दूटा बेटी राज्य स बाहर शिक्षा ग्रहण करि रहल छथि। लोकक अनुसार बडक़ी बेटी दिल्ली मे डॉक्टर छैन।
ओतहि समस्तीपुर क मोहिउद्दीननगर प्रखण्ड स्थित टौरा गांव मे बनल हुनकर आलीशान भवन कए दूर स चिन्हल जा सकैत अछि। स्थानीय लोकक कहब अछि जे एहि मकान मे चारि दर्जन स बेसी कोठली अछि। फिलहाल एहि मकान मे एमवीआई रघुवंश कुंवर क भाई आ अन्य परिजन रहैत छथि।
गौरतलब अछि जे कुंवर कए निगरानी अन्वेषण ब्यूरो क विशेष टीम 24 सितम्बर, 2008 कए 50 हजार टका रिश्वत लैत गिरफ्तार केने छल। एहि मुकदमा क सुनवाई मे न्यायालय कुंवर क करीब पैंतालीस लाख टकाक चल-अचल संपत्ति कए जब्त करबाक आदेश देलक अछि। इ दूनू संपत्ति रघुवंश कुंवर आ हुनकर पत्नी ललिता देवी क नाम पर अछि।

Tags: रघुवंश कुंवरसमस्तीपुर
ShareTweetPin

Related Posts

Esamaad Epaper Website

हंसी ठीठौली

July 30, 2018

फेर एक बेर नीतीश कुमार

November 20, 2015

वैवरेंट दरभंगा क सफल आयोजन

November 29, 2013

बीच बाट मे अस्त भेल अंशु कए श्रद्धांजलि

August 21, 2013

वाह रे तोहर भाग्य, वाह रे हम्मर भाग्य

August 14, 2013

किछु एहन होएत नालंदा विश्वविद्यालय

May 18, 2013
Next Post

पर्यटक क बाट तकैत दरभंगाक माटी

मधुबनी: दर्शनीय स्थल स किया नजरि फेरने छी सरकार

Esamaad Epaper Website

माउस क्लिक स सामने आउत निबंधन क दस्तावेज

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

मिथिला विकसित केलक एकटा आओर आमक प्रजाति, पातर छिलका, छोट सन गुठली आ स्वाद लाजबाव, नाम बुझबा लेल पढू समाचार

UNLOCK भेल BIHAR, मुदा जुलाई तक नहि खुलत स्कू्ल, देखू नबका गाइडलाइन

दरभंगा मे बाढ़ देलक दस्तक, कमला बलान मे उफान, आधा दर्जन पंचायत कए मुख्यालय स संपर्क भंग

बिहार मे 8 कए खत्म भ सकैत अछि लॉकडाउन, मुदा इ बंदिश रहत जारी

बोल बम…मोदीक जन्मदिन पर देवघर कए भेटत “खास सनेस”, बाबा नगरी लेल सफल भेल सांसद निशिकांतक भगिरथ प्रयास

Darbhanga Airport पर आब शुरू भेल ‘Price War’, Spicejet स कम छै IndiGo क किराया

की 2015 स सस्त रहल 2020 क चुनाव? सबस बेसी टका जमा केलक JDU, सबस बेसी खर्च केलक BJP, हिसाबे नहि देलक RJD

कोरोना क तेसर लहर लेल केतबा तैयार अछि बिहार, पढ़ू सरकार की बतेलक हाइकोर्ट कए

कोरोना स लड़बा मे आत्मनिर्भर भेल मिथिलाक प्रसिद्ध गाम सरिसब, शुरू केलक ‘सेल्फ सफ़िशिएंट सेंटर’

बेसी पढ़ल गेल

कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

by संपादक
May 30, 2020
0
कागज पर नहि मैथिलक कंठ मे बसल अछि कवि प्रदीप क गीत

मुकुन्द मयंक बर्ष 2012 या 2013 छल हेते, लहरियासराय (दरभंगा) स्थिति एकटा कोनो निजी विद्यालय पर मैथिली काव्य गोष्टि आयोजित...

Read more

चीनी उद्योग : मिठगर स्‍मरण, तितगर सच्‍चाई

by संपादक
October 10, 2013
5

Read more

एकटा चूक स पिछडि गेल मधेपुरा

by संपादक
August 17, 2015
0

Read more

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि