पटना : राज्य मे 92 हजार प्लस टू शिक्षक कए नियुक्ति कए आतंरिक तैयारी तेज भ गेल अछि। माध्यमिक शिक्षा निदेशालय स्तर पर प्लस टू शिक्षक क नियोजन संबंधी प्रक्रिया क शिड्यूल तैयार कैल जा रहल अछि। अगिला साल मार्च मे उच्च माध्यमिक विद्यालय मे शिक्षक क नियोजन संबंधी प्रक्रिया प्रारंभ हेबाक उम्मीद अछि। ओना शिक्षा विभाग प्रारंभिक शिक्षक नियोजन प्रक्रिया मे विलंब भेला क कारण स सबटा क्षेत्रीय उपशिक्षा निदेशक कए तलब कैल गेल अछि।
उपनिदेशक (माध्यमिक) अजीत कुमार क मुताबिक उच्च माध्यमिक विद्यालय मे शिक्षक कए नियुक्ति प्रक्रिया प्रारंभिक शिक्षक क नियोजन क बाद प्रारंभ होएत। एकरा लेल निदेशालय स्तर पर सबटा तैयारी पूरा कैल जा रहल अछि। 31 दिसम्बर कए क्षेत्रीय उपशिक्षा निदेशक क बैसार बजाउल गेल अछि। एहि मे प्रारंभिक शिक्षक क नियोजन प्रक्रिया क पूरा समीक्षा कैल जाएत। प्रधान सचिव अमरजीत सिन्हा क अध्यक्षता मे इ बैसार होएत जाहि मे अन्य विभागीय अधिकारी शामिल हेताह। दोसर दिस शिक्षा विभाग शिक्षक नियोजन इकाई क ढुलमुल रवैया क विरुद्ध सख्त रूख अख्तियार केलक अछि। प्रारंभिक शिक्षक नियोजन प्रक्रिया मे अनावश्यक विलंब कए देखैत विभाग लापरवाह नियोजन इकाई क विरुद्ध कार्रवाई करबाक निर्णय लेलक अछि। एहि संबंध मे प्रधान सचिव अमरजीत सिन्हा सबटा जिला शिक्षा अधिकारी कए आवश्यक हिदायत देलथि अछि। प्रधान सचिव क अनुसार जे नियोजन इकाई पूर्व निर्धारित तिथि 31 दिसम्बर तक औपबंधिक मेधा सूची जारी नहि करत त हुनकर विरुद्ध फौजदारी मुकदमा दर्ज करेबाक आदेश देल गेल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर