• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मिथिला मे नव क्रांति आनत ”मेघ पाइन अभियान”

April 27, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

सुनील कुमार झा
नई दिल्‍ली।
बाढ़ स तबाह बिहार क पाँच टा जिलाक पच्चीस टा पंचायत क ऊपर एकटा नव शोध भ रहल अछि। इ शोध लोक कए हुनकर ज्ञान आ उपलब्ध स्रोत क मदद स एकटा नव जीवन शैली अपनेबा मे मदद करत। इ साल दर साल होइत रहल वर्षा मे कमी क कारन भ रहल नुकसान मे सेहो मददगार होएत। एहि शोध रूपी अभियान क नाम ”मेघ पाइन अभियान” देल गेल अछि आ एकरा सुपौल, सहरसा, खगड़िया, मधुबनी आ पश्चिमी चंपारण क पच्चीस टा ग्रामीण इलाका मे एकटा योजनाबद्ध रूप स चलाउल जा रहल अछि। जल स संबंधित मुद्दा कए गहराई स बुझेबाक प्रयास भ रहल अछि। एहि योजना क मूल उदेश्य अछि साल भरि लोक कए सुरक्षित पेयजल उपलब्ध करेनाई, खास क बाढ़ क समय मे। संगहि स्वास्थ संबंधी सुविधा उपलब्ध करब आ कृषि क तरीका मे बदलाव आनब, ताकि एहि ठामक लोक भोजन आ स्वस्थ जीवन शैली लेल आत्मनिर्भर भ सकथि।
”मेघ पाइन अभियान” कार्यकर्ता एकलव्य प्रसाद एहि मूलभूत गप पर बल दैत कहैत छथि जे सबटा पंचयात मे लगभग बीस ठाम वर्षा क जल स सिचाई क महत्‍व क प्रदर्शन क चुकलहुं अछि आ एकर अलावा जल स सम्बंधित स्वास्थ, आर्थिक आ सामाजिक समस्या क विश्लेषण कैल जा चुकल अछि। किया कि एहि ठामक लोक जल कए कहियो एहि समस्या क आधार नहि बुझलक ताहि लेल ”मेघ पाइन अभियान” जल क जांच करा कए विभिन्न प्रकार क दूषित जल आ ओकर दुष्प्रभाव स लोक कए अवगत करा रहल अछि।
”मेघ पाइन अभियान” जल संचय क अन्य विकन्‍प क व्यवस्था केलक अछि, जेकरा ‘जल कोठी’ नाम देल गेल अछि। पांच टा जिला अपन आवश्यकता आ क्षमता क मुताबिक़ जल कोठी क विकाश क रहल अछि। श्री प्रसाद क मानी त एहि पांच जिला मे एखन धरि 250टा अर्ध स्थायी आ लगभग 800 अस्थाई वर्षा जल संचय संयंत्र स्थापित कैल जा चुकल अछि, जे बाढ़ क पाइन स सुरक्षित होएत। प्रत्येक जल कोठी क निर्माण मे करीब 867 टका खर्च होइत अछि। जल मे उपस्थित आयरन क अत्यधिकता कए कम करबा लेल सुपौल मे उपयोग भ रहल दू मटका वाला फ़िल्टर’ क प्रारूप लोकप्रिय भ गेल अछि। एहि मटका कए जल मे उपस्थित अन्य गंदगी कए छानबा लेल विकसित कैल गेल अछि। एखन धरि एहन 225टा मटका फ़िल्टर लगाउल जा चुकल अछि। जाहि स करीब 35 हज़ार लोक लाभान्वित भ रहल छथि।
बाढ़ क कारण भेल नुकसान कए देखैत ”मेघ पाइन अभियान” ग्रीष्मकालीन धान क खेती क विकास केलक अछि। एकर शुरुआत 36टा किसान क समूह द्वारा कैल गेल अछि। जतए औसतन 70-90 किग्रा प्रति कट्ठा उपज होइत छल, ओतहि ”मेघ पाइन अभियान” 120-200 किग्रा प्रति कटठा क पैदावार केलक अछि।”मेघ पाइन अभियान” लोक मे बाढ़ क कारण भ रहल भोजन क कमी आ गरीबी स निजात दियेबाक मे सेहो मदद क रहल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

दूरदर्शन क नजर पडल दरबार हॉल पर, मई मे होएत शुटिंग

जानकी नवमी पर जनकपुर मे विस्‍फोट

Esamaad Epaper Website

मोतिहारी मे केविवि क विरोध छोटगर राजनीति : शाहनवाज

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि