ज्ञानेश्वर
पटना। आइ बिहार मे नगर निगम लेल मतदान भेल। मतदान आशाक अनुरूप शांतिपूर्ण भेल आ आधा स बेसी मतदाता अपन मताधिकारक प्रयोग करबा लेल मतदान केंद्र पर एलथि। एमटीएस क सर्वर बहुत मद्धिम गति स चलल, ताहि लेल एहि बहस क मुद्दा कए गति नहि देल जा सकैत अछि। ओना पहिल चरण मे औसतन 65 फीसदी मतदान भेल। आजुक मतदान मे सबस खास गप इ रहल जे मतदान केंद्र स राजनीतिक दिग्गज गायब रहलाह। लालू-राबड़ी तक मतदान क ताकत क इस्तेमाल नहि केलथि। सुशील कुमार मोदी क जरूर सपत्नीक मतदान करबा लेल केंद्र तक पहुंचलथि, मुदा सांसद-विधायक क भागीदारी नहि कए बराबर रहल। ओना नीतीश कुमार क बारी 22 कए आउत,किया कि बख्तियारपुर मे मतदान 22 कए अछि।
निगम चुनाव क छवि बिहारक नेता सबहक बीच की अछि इ एहि स पता चलि सकैत अछि जे आइ दिन मे जखन एकटा राजनेता स पूछल गेल जे अहां वोट देबा लेल नहि जायब, त हुनकर जवाब छल जे के जाइत अछि लफ्फुआ सबहक एहि चुनाव मे मतदान करबा लेल। शहरक लिहाज स लोकतांत्रिक व्यवस्था क एहि बुनियादी ढ़ांचा क प्रति बिहार मे की सोचल जाइत अछि, अहां आसानी स बुझि सकैत छी। वजह केवल इ अछि जे बिहार मे इ चुनाव दलगत नहि होइत अछि। दिल्ली-मुंबई-कोलकाता मे त एहि चुनाव क नतीजा कए राजनीतिक दलक ताकत क ‘थर्मामीटर’ मानल जाइत अछि। किया नहि मानल जाएत,पूरा शहर कए संवारबाक/बिगाड़बाक जिम्मेवारी जे हिनका लोकनि पर होइत अछि।
ओना दोसर गप इ जे चुनाव बाद निकाय पर कब्जा लेल सबटा हथकंडा राजनेता अख्तियार करैत छथि। पटना एकर गवाह अछि जे लालू प्रसाद अपन बडका सार क कनिया कए मेयर बनेबा लेल की की ने खेल खेलेलथि, भले सफलता नहि भेटल। वर्तमान राजपाट मे सेहो पटना मे तैनात पुलिस अधिकारी क रोल पहिने देखल जा चुकल अछि। सत्ता क ‘डान’ त कखनो दिलचस्पी लेबा स पाछु नहि हटैत छथि। नतीजा क बाद फेर स खेल देखबा लेल भेटत, जाहि मे छोट-पैघ सब कूदताह, इ तय अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper