पटना। आर्थिक मंदी क कारण तमाम राज्य मे रियल एस्टेट उद्योग सुस्त देखा रहल अछि, मुदा बिहार मे तस्वीर बिल्कुल अलग अछि। पिछला दू साल मे महाराष्ट्र , दिल्ली आओर एनसीआर समेत देश क तमाम हिस्सा स दर्जन स बेसी पैघ रियल्टी कंपनी बिहार पहुंच गेल अछि। बिल्डर क बिहार प्रेम क वजह ओहि ठाम मांग मे तेजी आओर निर्णय लेबाक मे सरकारी फुर्ती कए मानल जा रहल अछि।
बिहार मे राजधानी पटना आओर आसपास क इलाका मे एखन कइटा परियोजना चलि रहल अछि आओर ओहि मे स बेसीतर निवेश करनिहार डेवलपर दोसर राज्य स एलाह अछि। बिल्डर क संगठन कन्फेडरेशन ऑफ रियल एस्टेट डेवलपर्स एसोसिएशन ऑफ इंडिया (क्रेडाई) क अध्यक्ष ललित कुमार जैन क कहब अछि जे पिछला दू साल मे बाहरी राज्य स करीब 50टा बिल्डर बिहार मे परियोजना शुरू केलथि अछि। एहि मे महाराष्ट्र क सेहो कईटा बिल्डर छथि। हुनकर अनुसार मुंबई मे परियोजना क प्रस्ताव मंजूर हेबा मे दू स तीन साल लागि जाइत अछि जखन कि बिहार मे महज 15 दिन मे परियोजना मंजूर भ जा रहल अछि। एहि कारण स परियोजना आ निवेश अटकबा क खटका नहि रहैत अछि।
बिहार क उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी क कहब अछि जे बुनियादी ढांचा स राज्य क विकास गति बरकरार राखल जा सकैत अछि आ एहि लेल निजी कंपनी क मदद लेबा मे सरकार नहि हिचकि रहल अछि। ओ कहला जे बिहार मे अगिला पांच साल मे हुनकर सबस बेसी जोर बुनियादी ढांचा परियोजना पर अछि।
पटना लग फतुहा मे करीब 120 करोड़ टका स अपर्णा वाणिज्यिक परियोजना बनेनिहार मुंबई क कंपनी रबरवाला बिल्डर्स क प्रबंध निदेशक तबरेज शेख सेहो कहला अछि जे बिहार मे बुनियादी ढांचा क किल्लत अछि आ यैह असली मौका अछि। बिहार क प्रमुख शहर मे प्रवासी भारतीय सेहो टका लगा रहल छथि, ताकि भविष्य मे ओ बिहार लौटकए बैस सकथि। रियल्टी कंपनी क नजर हुनका सब पर सेहो अछि।
क्रेडाई क मुताबिक बिहार मे सबस बेसी सक्रिय रियल्टी कंपनी दिल्ली आ एनसीआर क अछि। ग्रेटर नोएडा मे परियोजना बना रहल बेसीतर कंपनी बिहार पहुंच चुकल अछि। मुंबई क एकटा पैघ रियल्टी कंपनी क निदेशक नाम नहि खुलबाक शर्त पर कहला जे एखन धरि ओ बिल्डर बिहार गेलथि अछि जिनकर घर बिहार मे अछि, मुदा हुनकर कामयाबी देखि कए आब पूरा देश स बिल्डर ओहि ठाम जा रहल अछि। पटना क करीब गंगा नदी क कछैर मे 1,700 एकड़ मे शुरू भ रहल दीघा परियोजना पर देश भरि कए नामी डेवलपर क नजरि अछि। एहि मे मुंबई क 8टा कंपनी क निवेशक सूचना अछि।
निवेशक कए बिहार ल जेबा मे अहम भूमिका निभा रहल छथि बिहार फाउंडेशन क अध्यक्ष रवि शंकर श्रीवास्तव। ओ कहला जे बिहार मे कानून-व्यवस्था क हालत सुधरबा स लोक आब बिहार स बाहर नहि बल्कि बिहार मे मकान लेबा लेल धन निकाली रहल अछि। पिछला दू-तीन साल मे पटना आ पड़ोसी इलाका मे प्रॉपर्टी क दाम 200 स 250 फीसदी बढल अछि। हालांकि ऑल इडिया बिल्डर्स एसोसिएशन क सचिव आनंद गुप्ता एकर दोसर रूप देखबैत छथि। हुनकर अनुसार देश भरि क रियल्टी परियोजना मे बिहार स आएल मजदूर प्रमुख रूप स काज करैत छथि। मुदा आब ओ अपन राज्य क परियोजना मे खैप जाइत छथि। जाहि स बाकी राज्य क बिल्डर कए मजदूरक किल्लत भ गेल, दोसर जे मकान दिल्ली आ पूणे सन जगह मे मकान खरीदनिहार एकटा पैघ वर्ग बिहारी क छल जे आब अपन निवेश बिहार मे करब शुरू क देलक अछि। एहन मे इ सेहो कहि सकैत छी जे बिहार मे निर्माण शुरू भेला स आन ठाम क ग्राहक क संकट सेहो उत्पन्न भ गेल अछि। किया कि मजदूर आ ग्राहक दूनू मे बिहारक हिस्सेदारी काफी छल।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper