पटना। समेकित कार्य योजना (आईएपी) क तहत 250 स बेसी आबादी वाला प्रत्येक गाम कए जोडबा लेल सड़क क निर्माण स इ उम्मीद लगाउल जा रहल अछि जे इ बिहार क नक्सल ग्रस्त ग्रामीण इलाका क तकदीर बदलि देत। राज्य मे नक्सलग्रस्त नौटा जिला मे आईएपी क तहत एखन धरि 2,389 योजना मे 1064 योजना पूरी भ चुकल अछि, जाहि मे स 4,499 किलोमीटर सड़क क निर्माण काज पूरा भ गेल अछि। बिहार क ग्रामीण कार्य मंत्री भीम सिंह कहैत छथि जे राज्य सरकार इंटिग्रेटेड एक्शन प्लान क तहत करीब 9,070 किलोमीटर सड़क बनेबा लेल 2,389 योजना प्रस्ताव कए मंजूरी द कए केंद्र लग पठाउल गेल छल। एहि योजना क तहत 250 स 500 क बीच क आबादी क गाम कए जोडबा लेल 3387 करोड़ क योजना कए मंजूरी द देल गेल अछि। नक्सलग्रस्त जिला मे एहि योजना क तहत एखन धरि 4,499 किलोमीटर सड़क क निर्माण पूरा भ चुकल छल। केंद्र सरकार 2010 -11 क दौरान समेकित कार्य योजना क शुरुआत केने छल। सिंह कहला जे एहि योजना क अंतर्गत औरंगाबाद, गया, जहांनाबाद, अरवल, जमुई, नवादा, रोहतास, मुंगेर आ कैमूर लेल सड़क निर्माण क 2389 योजना स्वीकृत कैल गेल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper