• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मिथिला मे सांप क मेला देखबा लेल पहुंचल पर्यटक

July 9, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

समस्‍तीपुर। नागपंचमी क मौका पर समस्तीपुर मे पिछला 300 साल स लगैत आबि रहल सांप मेला आब पर्यटक कए सेहो अपना दिस आकर्षित क रहल अछि। केवल दोसर राज्‍य स नहि बल्कि विदेश स सेहो लोक एहि अदभुत मेला कए देखबा लेल पहुंचल अछि।
सब साल आयोजित भ रहल एहि मेला मे सबस पहिने भगवती क आराधना कैल जाइत अछि फेर शुरू होइत अछि गंडक नदी स सांप कए निकालबाक सिलसिला। लोकक मान्यता अछि जे एहि दिन मांगल गेल मनोकामना जरूर पूरा होइत अछि।
समस्तीपुर क विभूतिपुर प्रखंड क सिंघिया आ रोसड़ा गाम मे भगत जतए गंडक नदी मे डुबकी लगा कए सांप निकालैत छथि ओतहि सरायरंजन मे एकटा प्राचीन पोखरि स सांप निकालि कए ओकर पूजा कैल जाइत अछि। स्‍थानीय लोकक कहब अछि जे नाग पंचमी क दिन नाग क पूजा करबाक इ पुरान प्रथा अछि। नाग क भगत (पुजारी, भक्त) गंडक नदी आ पोखरि मे डुबकी लगा कए नदी स सांप निकालैत दथि आ ओकर पूजा कैल जाइत अछि। एहि दौरान नदी क कछैर मे सांप क मेला लगैत अछि। लोक क कहब अछि जे एखन धरिक इतिहास मे एहन कोनो घटना नहि घटल अछि जाहि मे सांप एहि भगत सब कए कोनो नुकसान पहुंचेलक अछि।
सिंघिया गाम क भगत रासबिहारी भगत क कहब अछि जे इ काफी प्राचीन प्रथा अछि। ओ कहैत छथि जे इ प्रथा कहिया स शुरू भेल एकर ठीक ठीक जानकारी त उपलब्‍ध नहि अछि मुदा करीब 300 वर्ष स इ चलि आबि रहल अछि। ओ कहैत छथि जे हुनकर भगवान नाग छथि । ओ पिछला 25 साल स नदी स नाग निकालैत छथि आ ओकर पूजा करैत छथि। भगत कहैत छथि जे नाग कए नदी स निकालबाक उपरांत नदी क कात मे बनल नाग मंदिर आ भगवती मंदिर मे हुनकर पूजा कैल जाइत अछि, हुनका सामूहिक रूप स दूध आ लावा खुआउल जाइत अछि आ फेर सबटा नाग कए नदी मे छोडि देल जाइत अछि। एहि दौरान सांप कए दूध आ लावा देबा लेल पुरूष आ महिला क भारी भीड़ लगैत अछि। किछु साल स एहि दौरान कीर्तन आ भजन क सेहो कार्यक्रम भ रहल अछि।
पिछला 36 साल स इ कार्य क रहल एकटा अन्य भगत रामचंद्र भगत क कहब अछि जे इ परम्परा आब एहि गाम सबहक पहचान भ गेल अछि। मिथिलाक आन गाम मे सेहो इ होइत होएत, मुदा आब इ परंपरा एहि ठाम बचल अछि आ नाग पंचमी क दिन नाग क पूजा करबा स केवल अपन नहि बल्कि गाम आ राज्‍यक सेहो कल्याण होइत अछि। ओ कहला जे एहि पूजा स सांप या मनुष्‍य कए कोनो नुकसान नहि होइत अछि। इ त भगवान आ भक्त क एक दोसरक प्रति समर्पण क भावना अछि।
रामचंद्र कहैत छथि जे किछु लोक एकरा सांप क खतरनाक प्रदर्शन कहैत दथि मुदा इ भावना संग खिलवाड अछि। इ गलत आरोप अछि। एहि ठाम कोना प्रदर्शन या खेल नहि देखाउल जाइत अछि बल्कि इ एकटा पूजा अनुष्‍ठान छी। इ अलग गप अछि जे दूर-दूर स लोक एहि पूजा कए देखबा लेल एकत्र भ रहल छथि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार मे जीएम बीज क परीक्षण पर रोक

Esamaad Epaper Website

उद्योगपति लेल सेज सन सेज सजा रहल अछि बिहार सरकार

Esamaad Epaper Website

नीतीश जी अहां बिहारक मुख्‍यमंत्री छी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि