• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

दीपक आ कामथ भेलथि उद्योग आ निवेश सलाहकार परिषद क सदस्‍य

August 3, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नई दिल्ली। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार राज्‍य क विकास दर कए आओर तेज करबा लेल आब राज्‍य मे औद्योगिक विकास पर ध्‍यान केंद्रीत क लेलथि अछि। एहि लेल राज्‍य सरकार मुख्‍यमंत्रीक अध्यक्षता मे राज्य उद्योग आ निवेश सलाहकार परिषद क गठन क देलक अछि। एहि परिषद मे एचडीएफसी क अध्यक्ष दीपक पारीख, इंफोसिस क अध्यक्ष केवी कामथ, एसबीआइ क अध्यक्ष प्रदीप चौधरी, स्टरलाइट समूह क अनिल अग्रवाल आ गोदरेज समूह क जमशेद गोदरेज सन लोक कए शामिल कैल गेल अछि। इ सब सरकार कए औद्योगिक विकास लेल कोना नीति बनाउल जाए ताहि पर सलाह देताह। ज्ञात हुए जे राज्य मे उद्योग-धंधा लागि सकए, ताहि लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पिछला सप्‍ताह उद्यमी क पंचायत लगौने छलाह आ आला अफसर सबहक संग बैसार क हिनकर समस्या कए बुझबाक कोशिश केने छलाह। एहि पंचायत मे मुख्‍यमंत्री उद्योग आ निवेश सलाहकार परिषद क गठन क घोषणा केने छलाह।
एहि परिषद क आवश्‍यकता पर जानकारक कहब अछि जे बिहार क विकास दर एहि साल 16 फीसदी स बेसी अछि, जखन कि बिहार मे औद्योगिक विकास बहुत कम भेल अछि। राज्‍य अगर इ विकास दर प्राप्‍त केलक अछि त ओकर पाछु कृषि आ आधारभूत संरचना क विकास कहल जा सकैत अछि। कृषि क क्षेत्र मे इंद्रधनुषी क्रांति अनबा लेल कृषि रोड मैप बना बिहार देश कए एकटा पव अवधारणा देलक, जे सफल रहल। बिहार मे कृषि विकस दर देशक आन राज्‍य स कहीं आगू अछि। एहि स उत्‍साहित सरकार आब एहने किछु औद्योगिक निवेश लेल करबाक तैयारी क रहल अछि। पिछला किछु साल मे देखल जाए त बिहार विकास दर क मामला मे देश मे आगू रहल मुदा बिहार क सकल राज्य घरेलू उत्पाद (जीएसडीपी) मे औद्योगिक क्षेत्र क योगदान महज 16 फीसद रहल, जखनकि एकर राष्ट्रीय औसत 26 फीसद अछि।
महाराष्ट्र, गुजरात, तमिलनाडु आ कर्नाटक सन राज्‍य जे विकास दर मे बिहार स पछुआ गेल अछि ओहि ठाम क जीएसडीपी मे औद्योगिक क्षेत्र क योगदान राष्ट्रीय औसत स बहुत बेसी अछि। एहन मे बिना औद्योगिक विकास पर ध्‍यान देने बिहारक विकास दर कए दोगुणा नहि कैल जा सकैत अछि। मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार सेहो इ कहैत रहला अछि जे बिहार कए 12वीं पंचवर्षीय योजना मे अगर विकसित राज्‍य क कतार मे देखबाक अछि त विकास दर दोगुणा केने बिना इ संभव नहि अछि। राज्‍य सरकार कृषि, बागवानी, पशुपालन, मत्स्यपालन क संग संग आब औद्योगिक विकास लेल ठोस नीति बनेबा मे जुटल अछि। बिहार योजना आयोग लग अगिला पांच साल मे उद्योग क विकास लेल 4860 करोड़ क प्रस्ताव रखलक अछि। कृषि प्रधान राज्य बिहार सबस बेसी खाद्य प्रसंस्करण क विकास लेल आतुर अछि। एकरा लेल 800 करोड़ क राशि खर्च करबाक प्रस्ताव अछि। भागलपुर क रेशम उद्योग कए फेर स ढार करबा लेल 220 करोड़ खर्च करबाक योजना अछि।
पिछला किछु साल मे देश मे उद्योग लेल जमीन एकटा पैघ समस्‍या रहल अछि आ इ समस्‍या बिहार मे सेहो देखल गेल अछि। इ मसला जल्‍द राजनीतिक रंग सेहो ल लैत अछि जाहि स कोनो लोकप्रिय सरकार एहि मसला पर ठोस डेग नहि उठा पाबि रहल अछि। एहन मे नव उद्योग कए जमीन उपलब्ध करेबा लेल सरकार भूमि बैंक पर 521 करोड़ क राशि खर्च करबाक प्रस्ताव रखलक अछि। नव उद्योग कए प्रोत्साहन लेल 2006 मे बनल औद्योगिक नीति क तहत सब्सिडी देबा लेल सेहो राशि कए बढ़ाकए 2600 करोड़ करि देल गेल अछि। 11वीं योजना मे एकरा लेल महज 200 करोड़ क प्रावधान छल।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

स्‍कूलक सुरक्षा प्राचार्य क जिम्‍मा, रात्रि पहरी क नियुक्ति तय

Esamaad Epaper Website

नेट पर उपलब्‍ध होएत परीक्षाक कॉपी

Esamaad Epaper Website

बिहार एहिना नहि बनल देश लेल रोल माडल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि