दरभंगा। एक बेर फेर दरभंगा शहर कए तरणताल भेट गेल। कहबा लेल त दरभंगा मे तीनटा तरणताल छल, मुदा ओ तीनू तरणताल आम लोक लेल उपलब्ध नहि रहल। नवका तरणताल क उदघाटन स्थानीय पब्लिक स्कूल बेला में भेल अछि। जे स्कूल क छात्र क संग संग शहर मे स्वीमिंग प्रतियोगिता लेल बाट खोलत। एहि तरणताल क उद्घाटन लनामिवि क कुलपति डॉ. एसपी सिंह केलथि। एहि अवसर पर ओ कहला जे तैराकी खेल आ कला दूनू छी। एकर माध्यम स व्यायाम आ मनोरंजन दूनू होइत अछि। स्थानीय पब्लिक स्कूल बेला मे स्वीमिंग पुल क निर्माण लेल ओ विद्यालय प्रबंधन क सराहना केलथि। विद्यालय क सचिव डॉ. बीके मिश्रा कहलथि जे विश्वविद्यालय सेहो एहि स्वीमिंग पुल मे प्रतियोगिता क आयोजन क सकैत अछि। एमआरएम कालेज क प्राचार्य डॉ. कामेश्वर झा कहला जे किताबी ज्ञान क अतिरिक्त अन्य प्रकार क शिक्षा देनिहार संस्था महत्वपूर्ण होइत अछि। एहि अवसर पर पुतुल सिंह सेहो उपस्थित छलथि।
ज्ञात हुए जे दरभंगा मे समय समय पर तरणताल बनैत रहल अछि मुदा रख-रखाव क अभाव मे ओ नष्ट होइत रहल अछि। दरभंगा क सबस पुरान तरणताल नरगौना पैलेस मे छल जेकरा मिथिला विश्वविद्यालय प्रशासन नष्ट क देलक। दोसर तरणताल बेला पैलेस मे अछि जे उपयोग नहि करबा स नष्ट भ रहल अछि। तेसर तरणताल स्थानीय सीएम कॉलेज मे बनल, मुदा ओ कहियो उपयोग मे नहि आनल जा सकल। एहन मे उम्मीद कैल जा सकैत अछि जे दरभंगा कए पहिल पब्लिक स्कूल देनिहार इ प्रबंधन दरभंगा कए तरणताल देबा मे कामयाब रहत। आ भविष्य मे दरभंगा स नीक तैराक राज्य आ देश कए भेट सकत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper