नई दिल्ली। सुप्रीम कोर्ट दरभंगाक पूर्व सासंद आ पूर्व रेलमंत्री ललित नारायण मिश्र हत्याकांड क ट्रायल पर रोक संबंधी याचिका पर सुनवाई करैत ओकरा अमान्य करबा स इनकार क देलक अछि। अदालत कहलक अछि जे केवल एहि आधार पर ट्रायल कए खत्म नहि कैल जा सकैत अछि जे मामला 37 साल पुरान अछि आ केस पर सुनवाई पूरा नहि भ सकल अछि।
उल्लेखनीय अछि जे दो जनवरी 1975 कए बिहार क समस्तीपुर मे एकटा जनसभा क दौरान भेल बम विस्फोट क बाद तीन जनवरी कए दानापुर मे ललित नारायण मिश्र क इलाज क दौरन मौत भ गेल। तखन तत्कालीन प्रधानमंत्री इंदिरा गांधी कहने छलीह जे हुनकर हत्या क पाछु विदेशी हाथ अछि। भारत मे ललित बाबू क हत्या गांधी क बाद दोसर राजनीतिक हत्या मानल जाइत अछि। ललित बाबू क मौत क बाद राजनीति मे हुनक उत्तराधिकारी अनलाह हुनक छोट भाई जगन्नाथ मिश्र जिनका इंदिरा गांधी बिहार क मुख्यमंत्री बना देने छलथि।
एहि मामला मे सीबीआई रंजन द्विवेदी क अलावा आनंदमार्ग क तीनटा सदस्य कए आरोपी बनेने अछि। जाहि मे स एकटा आरोपी क मृत्यु भ गेल। जाच ब्यूरो नवंबर, 1977 मे एहि मामला मे पटना क अदालत मे आरोप पत्र दाखिल केने छल, मुदा बाद मे 1979 मे सुप्रीम कोर्ट अटार्नी जनरल क आग्रह पर एहि मुकदमा कए दिल्ली क अदालत मे स्थानातरित क देलक। देशक इतिहास मे इ पहिल मामला छल जेकरा कोनो राज्य स बाहर सुनवाई लेल मंजूरी देल गेल। कोनो जांच एजेंसीक इतिहास मे इ सबस लंबा सुनवाई वाला मामला पहिने बनि चुकल अछि। कुल मिला कए इ मामला एतबा लंबा समय ल लेलक जे न्याय भेटलाक बावजूद ललित बाबूक परिवार, दरभंगा और बिहार संग अन्याय कहल जाएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper
One of the strong rumor, at that time was that it was done by Mrs. Indira Gandhi. CBI did terrible investigation; nothing has come out so far. Why CBI could not find murderer of Lalit babu? Who directed them to go slow in this murder investigation? Why he was not taken to DMCH after bomb blast? which was only one an hr away drive from Samastipur? Was it also a political decision of Mrs. Indira Gandhi ,to kill him, after he survived bomb blast? People of Mithila demand justice and truth. We should never forget our great leader and son of Mithila! We want to know who killed him.
amar nath ji is mamle me esamaad par hi 2 aalekh aa cuke hai..aap ke har sawal ka uttar usme diya hua hai..